Blogger templates

मंगलवार, 8 जनवरी 2013

EK RAATI BALAATKAAR KARBAAK KIMAT EK LAAKH TAAKA

  युवतीक संग एक राति दुष्कर्म करबाक दाम एक लाख टाका लगाओल गेल अछि। सुनबामे आश्चर्य लगैत अछि, मुदा बात शोलह आना सच थिक। नगर थानाक गिरमिसानीक ई घटना अछि। एतऽ एक गोट युवतीक संग गामक एक गोट युवक राति भरि जोर जबरदस्ती केलक। परिवारक लोककेँ जखन एहि बातक सुचना भेटल तँ गाममे पञ्चायत बैसाओल गेल। सभ्य समाजक ठेकेदार लोकनि दुष्कर्म केनिहार युवकपर एक लाख टाकाक जुर्माना लगौलक। उल्लेखनीय अछि जे मायक इलाज लेल पिता 17 दिसम्बरक राति सदर अस्पताल गेल छला। घरपर हुनक पुत्री असगर छली। गामक एक गोट युवक ओकरा घरसँ बजा बगलक घरमे लऽ गेल। जतऽ राति भरि ओकरा संग बलात्कार कएल गेल। पञ्च लोकनिक निर्णय छलनि जे युवतीक विवाह शीघ्र अति शीघ्र करा देल जेबाक चाही। युवकक बाबा एक लाख टाका विवाहमे मदति करबा लेल तैयार भऽ गेला। युवतीक विवाह बथनाहा थाना क्षेत्रक भलहि गाममे तय क देल गेल। विवाह लेल जखन एक लाख टाका माङल गेल युवकक परिवार देबासँ इन्कार कऽ देलक। एहि कारणेँ दुनू पक्ष आपसमे मारिपिट करऽ लागल। युवती सहित चारि अन्य लोक घायल अछि। इलाजे लेल हिनका लोकनिकेँ सदर अस्पतालमे भर्ति कराअ‍ोल गेल। गम्भीर स्थितिकेँ डाक्टर हुनका सभकेँ एसकेएचसीएच रेफर कऽ देलनि। घायलमे युवतीक अतिरिक्त दोसर पक्षक नगीना साह, महेश साह आ दिनेश साह सम्मिलित अछि। युवतीक पिता रामबाबू साहक बयानपर थानामे काण्ड संख्या 17/13 अंकित कएल गेल अछि। एहिमे गामक युवक अनिल कुमार, महेश साह, उमेश साह, नगीना साह, पुनेश साह, बजरंगी साह, अशोक साह आ पप्पू साहकेँ आरोपी बनाओल गेल अछि। 

2 comments: