Blogger templates

गुरुवार, 24 मई 2012

स्वागत गीत......

स्वागत गीत......

मंगलमय दिन आजु हे पाहुन छथि आयल,
धन्य धन्य जागल भाग्य हे मन कमल फुलायल।

मंगल घट सँ द्वारि सजाओल,कंचन दीप बारि हम लाओल
गाँथल हार गुलाब हे हे हिनका पहिराओल....धन्य धन्य.....

कर खालीबेशी अभिलाषा ,दूबि-धान पर अगबे आशा
मान बढ़ाबय पाग हे हिनका सिर राखल ...धन्य धन्य....

धनमे धन भावहिटा संबल सुभग सिनेह मनहि मन केवल
घरकेर अनुपम साग हे भोजनमे साजल....मंगलमय दिन आजु हे.....

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें