Blogger templates

मंगलवार, 8 जनवरी 2013

hayaghatak vikash lel rahab sadikhan tatparya : amarnath gaami

   सुरहाचट्टी हथौड़ी सड़कक मरम्मिति करबाक शिलान्यास सोमकेँ भाजपाक जिला अध्यक्ष सह विधायक अमरनाथ गामी केलनि। एहि योजना लेल बिहार सरकार ग्रामीण विभाग दिससँ 46 लाख 48 हजार आठ सय 45 टाकाक स्वीकृति भेटल अछि। सभाक स्मोबिधित करैत श्री गामी क हलनि जे आन क्षेत्रक हेबाक बादो जे मान-सम्मान एहि ठामक लोक हुनका देलनि तकरा ओ कहियो नञि बिसरा सकै  छथि। भविष्यमे ओ एहि ठामक विधायक रहथु वा नञि, मुदा विकास लेल सदिखन प्रयास करैत रहता। विष्ठि अतिधि विधान पार्षद डा. विनोद कुमार चौधरी कहलनि जे देश अजादीक एतेक बरख बीत जेबाक बादो हायाघाटक विकास नञि भऽ सकल। आइ धरि कोनो विधायक एहि क्षेत्र लेल सार्थक प्रयास कहियो नञि भेल। एखनो हायाघाट आर्थिक, समाजिक आ राजनितीक स्तरसँ पिछड़ल अछि। सभाक अध्यक्षता भाजपा मण्डल अध्यक्ष हेमचन्द्र सिंह केलनि। समारोहमे प्रखण्ड अध्यक्ष शम्भू नाथ झा, जिप सदस्य हीरा दास, उदय शंकर चौधरी, योगी राय, मो. सफदर, देवेन्द्र चौधरी, डा. परमानन्द झा, देवकान्त राय सहित कतेको लोक उपस्थित छला। 

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें