Blogger templates

मंगलवार, 8 जनवरी 2013

BRAAHMAN VIRODHI LEKH PAR DM KEN DELAK GYAAPAN

   बिहार प्रदेश जनता दल यूनाइटेड केर किसान प्रकोष्ठक प्रदेश उपाध्यक्ष डा. राम मोहन झा सोमकेँ जिलाधिकारी नर्मदेश्वर लालसँ भेट कऽ ज्ञापन देलनि। एहिमे ओ वरीय उप-समाहर्त्ता( दरभंगा) विनोद कुमारक लेखपर आपत्ति प्रगट केलनि अछि। डा. झा कहलनि जे 139 म जिला स्थापना दिवसक अवसरपर प्रकाशित कएल गेल स्मारिकामे ब्राहमण विरोधी लेख छापल गेल अछि। ओहिमे रामचरितमानसक लेखक बाबा तुलसीदासपर सेहो कटाक्ष कएल गेल अछि। ओ जानकारी देलनि जे जिलाधिकारी हुनका आश्वासन देलनि जे एकर जाँच कराओल जाएत। जँ एहि तरहक घटना सच अछि तँ उक्त अधिकारीपर कारवाइ कएल जाएत। उल्लेखनीय अछि जे ओ एहि ज्ञापनक प्रतिलिपी मुख्यमंत्री नीतीश कुमार, पूर्व सीएम जगन्नाथ मिश्र, पं. ताराकान्त झा, सांसद कीर्ति झा अजाद, सञ्जय झा, विनोद चौधरी आ गोपालजी ठाकुर लग सेहो पठाओल गेल अछि।  

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें