Blogger templates

रविवार, 6 जनवरी 2013

अपराध आ रेपपर आयोजित भेल परिचर्चा

 

 स्थानीय एमएलएसएम कालेज केर सभागरमे शनिकेँ ‘पाशविकता आ संवेदना’ विषयपर परिचर्चाक आयोजन कएल गेल। एहि परिचर्चाक आयोजन विद्यापति सेवा संस्थान दरभंगाक दिससँ कएल गेल। सभाक अध्यक्षता डा. सुरेश्वर झा केलनि। मुख्य अतिथिक रूपमे डा. मोहन मिश्र उपस्थित छला। परिचर्चाक उद्घाटन विधीपूर्वक डा. बैद्यनाथ चौधरी बैजू केलनि। ओ कहलनि जे मिडीया केर माध्यमे ई समस्या देशक समक्ष आएल अछि। जँ मनुख पशु बनि जाएत तँ दुनिञा खत्म भऽ जााएत।  डा. मोहन मिश्र कहलनि जे झुठ बाजब मनुखक स्वभाव भऽ गेल अछि। द्रौपदीक चीर हरण विद्वान लोकनिक सभामे भेल छल। पाण्डव सेहो एहि घटनाक देख मौन रहला। डा. प्रभातनारायण झा क हलनि जे प्रतिदिन एहि तरहक घटना सभ दिन अखबारमे छपैत अछि। ओना पछिला मास दिल्लीमे घटन दामिनी प्रकरण एहि मुद्याकेँ सड़कसँ सांसद धरि पहुँचल। डा. जितेन्द्र नारायण झाक कहब छलनि जे बरख 2012 मे लगभग 600 सँ बेसी रेप काण्ड कएल गेल। एहि देशमे महिला सदिखन पूज्यनीय रहल अछि। जखन एहि देशक महिला कंचुकी पहिनैत छली तखनो एहि तरहक घटना समाजमे घटित नञि होइत छल। राक्षस राज रावण सेहो माँ सीतक संग कहियो जोर जबरदस्ती नञि केलनि। प्रो. सतीश कुमार सिंह कहलनि जे एहि बेरका नव बरख उत्साहक बदला ग्लानीसँ भरल अछि। जे देश सम्पूण विश्वकेँ शीलताक मार्ग देखौलक ओहि ठाम आइ दामिनी सनक घटना भऽ रहल अछि। एहि परिचर्चामे अमरेश्वरी सिन्हा, डा. प्रभास चन्द्र मिश्र, डा. जितेन्द्र नारायण, डा. रंगनाथ ठाकुर, ओम प्रकाश, राजेश कु मार,श्याम भाष्कर आदि लोकनि सेहो विचार रखलनि। धन्यवाद ज्ञापन संयोजक मणिकान्त झा केलनि।   

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें