Blogger templates

सोमवार, 7 जनवरी 2013

आन्दोलन तेज केलासं बनत मिथिला राज्य



  ‘मिथिला स्वासत्त प्रशासी परिषदक ’ गठन हेबाक चाही। भाजपा मैथिली भाषाकेँ संविधानक अष्ठम सूचीमे स्थान दियौलक। आन्दोलन भेलापर मिथिला राज्य सेहो बनत। ई बात भाजपा राष्ट्रिय सदस्य पवन कुमार ठाकुर कहलनि। ओ अन्तरराष्ट्रिय मैथिल परिषद दिससँ श्यामली कालोनीमे रविकेँ आयोजित मैथिलि संविधान सम्मान दिवसक पूर्व सन्ध्यापर मुख्य अतिथिक रूपमे सभाकेँ सम्बोधित कऽ रहल छला। एहि सभाक अध्यक्षता डा. गुणेश्वर झा पूर्व संकायाध्यक्ष राँची विवि केलनि। एहिसँ पहिने सभाक शुभारम्भ गोसाउनी गीत जय-जय भैरवीसँ कएल गेल। एकरा बाद श्री ठाकु रक सम्मान मिथिलाक परम्पराक अनुसार पाग आ चादरसँ कएल गेल।  संस्थाक प्रवक्ता डा. धनाकर ठाकुर गियर्सनक कएल कृत्यक स्मरण दियौलनि। ओ कहलनि जे मैथिलीमे व्याकरणक रचना केनिहार, गोड्डाक मिथिलाक अंग कहनिहार आ अंगिकाक मैथिल साबित केनिहार गिर्यसने छला। एहि अवसरपर लक्ष्मण राउत, अभय कुमार, हेमकान्त, सुभाष चन्द्र झा, मदनमोहन झा, गौरी शरण, बिन्दू देवी, शुभकर नेहा, प्रतिभा, इन्द्रकान्त आदि लोकनि उपस्थित छला। धन्यवाद ज्ञापन सुरेश कुमार मल्लिक केलनि। 

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें