Blogger templates

रविवार, 6 जनवरी 2013

खुजि गेल भारत रंग महोत्सवक पर्दा


 
खुजि गेल भारत रंग महोत्सवक पर्दा
एशिया सबस पैघ रंग उत्सव “भारत रंग महोत्सव” के पर्दा पाँच जनवरी क देशक राजधानी दिल्लीक कमानी सभागार मे खुजि गेल | दिल्लीक ठिठुरेत ठंड मे सभागार मे खचाखच भरल रंगप्रेमीक उत्साह मे गर्मी छल | पाँच जनवरी स ई महोत्सव बीस जनवरी धरि दिल्लीक मंडी हाउसक नौ गोट अलग – अलग प्रदर्शन स्थल पर होयत | अठ्ठाइस भाषाक सत्तासी गोट देश विदेश स आयल नाटकक प्रदर्शन होयत |
      पन्द्रहम भारत रंग महोत्सव के उद्दघाटन प्रसिद्ध फिल्मकार आ निर्देशक श्री श्याम बेनेगल दीप प्रज्वलित कय केलनि | स्वागत भाषण राष्ट्रीय नाट्य विद्यालय के निदेशक सुश्री अनुराधा कपूर देलनि | प्रेक्षक के संबोधित विद्यालय के अध्यक्ष श्रीमती अमाल अलाना केलनि आ अंत मे धन्यवाद ज्ञापन राष्ट्रीय नाट्य विद्यालय के वरिष्ठ सदस्या श्रीमती कीर्ति जैन केलनि |
      सन १९९९ स प्रारंभ भेल भारत रंग महोत्सव अपन पन्द्रहम बरख मे प्रवेश कय चुकल  अछि | भारत रंग महोत्सव के शुरुआत श्री रामगोपाल बजाज के कार्यकाल स भेल अछि जखन श्री बजाज निदेशक राष्ट्रीय नाट्य विद्यालय रहैथ | बजाज जी दरभंगा निवासी छैथ आ सी एम कालेज स शिक्षा ग्रहण केने छथि | एहि बेरका उत्सव के थीम मंटो छथि | समूर्ण देश सहादत हसन मंटो के जन्मशती वर्ष मना रहल अछि |
      महोत्सव के प्रारंभ कोलकाता के पदातिक संस्था द्वारा महेश एलकुंचवार लिखित, विनय शर्मा निर्देशित नाटक “आत्मकथा” स भेल जाहि मे फिल्म आ रंगमंच के कलाकार कुलभूषण खरबंदा अभिनय केने छलैथ |  विगत कय वरख स मैलोरंग दिल्ली, भंगिमा पटना आर कयगोट मैथिली रंग संस्था सब भारंगम मे मैथिली नाटक के प्रदर्शन के प्रयास मे लागल अछि, मुदा विफल भेल अछि | ई विफलता,  मैथिली रंगमंच के अछि वा नाटक चुनाव निर्णायक मंडल के ? जटिल प्रश्न अछि जकर उत्तर आब बला समय मे संभवतः भेटि जायत |
मुकेश झा
दिल्ली (5/1/2013)

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें