Blogger templates

सोमवार, 7 जनवरी 2013

शीघ्र बनए फास्ट ट्रैक कोेर्ट : मुख्य न्यायाधिश


  शीघ्र बनए फास्ट ट्रैक कोेर्ट : मुख्य न्यायाधिश

मिथिलाक गाम घर : भारतक मुख्य न्यायाधीश अल्तमश कबीर सभ हाई कोर्टमे फास्ट ट्रैक कोर्ट बनेबाक निर्देश देलनि अछि। ओ कहलनि जे समय आबि गेल अछि जे फास्ट ट्रैक कोर्ट केर गठन कएल जाए। न्यायमे देरी हेबाक कारणेँ अपराधमे तेजीसँ वृद्धि भेल अछि। एहि लेल फास्ट ट्रैक कोर्ट अति आवश्यक अछि। प्रधान न्यायाधीश महिला लोकनिक प्रति होबऽ वला अपराधक सुनवाइ लेल प्रत्येक उच्च न्यायालयमे शीघ्र त्वरित अदालत गठित करबाक निर्देश देलनि। दिल्लीमे भेल बलात्कार आ युवतीक नृशंस हत्याक जिक्र करैत अल्तमस कबीर कहलनि जे एहन मामिलामे शीघ्र्र सुनवाइ हेबाक चाही। प्रत्येक हाई कोर्टकेँ महिला लोकनिक विरुद्ध अपराधक निष्पादन लेल फास्ट ट्रैक कोर्ट गठन करबाक निर्देश देलक।

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें