Blogger templates

शुक्रवार, 28 दिसंबर 2012

पारामेडिकल कर्मी स्वास्थ्य सेवाक रीढ़ : मदन


  पारामेडिकल कर्मी स्वास्थ्य सेवाक रीढ़ : मदन

-डीएमसी आॅडिटोरियममे भेल राज्य भरिक कर्मीक जुटान
-नव तकनीकीक प्रशिक्षणपर जोर


दरभंगा, 28 दिसम्बर ।  ‘चिकित्सा सेवामे पारा मेडिकल कर्मीक महत्व एवं स्वास्थ्य कार्यक्रममे स्वास्थ्य कर्मीक भूमिका’ विषयपर बिहार राज्य पारा मेडिकल तकनीकी कर्मचारी एसोसिएशनक शुक्रकेँ दरभंगा मेडिकल कॉलेजक आडिटोरियममे एकटा सेमिनारक आयोजन भेल। सेमिनारकेँ सम्बोधित करैत मुख्य अतिथि आ विधायक मदन सहनी कहलनि जे चिकित्सा जगतमे पारा कर्मीक भूमिकाकेँ नकारल नञि जा सकैत अछि। पारा कर्मी आ स्वास्थ्य कर्मीक अभावमे कोनो चिकित्सक अपन काज ठीकसँ नञि कऽ सकैत छथि। ओ आश्वासन देलनि जे जँ स्वास्थ्यकर्मीक समस्या सरकार धरि पठाओल गेल तँ ओ एकर निराकरण करेबाक कोशिश करता। एहि अवसरपर आयोजनक मुख्य संरक्षक डीएमसी प्राचार्य डा. एसएन सिन्हा कहलनि जे पारा मेडिकल स्टाफ सहित अन्य स्वास्थ्य कर्मीक भूमिका चिकित्साक क्षेत्रमे अति महत्वपूर्ण अछि। अस्पताल अधीक्षक डा. सूरज नायक कहलनि जे बिना एहि कर्मीक स्वास्थ्य सेवाक कल्पना नञि कएल जा सकैत अछि। रेडियोलॉजी विभागक डा. अनिल कुमार सिन्हाक अध्यक्षता आ संचालनमे सम्पन्न एहि सेमिनारमे पैथोलॉजी विभागाध्यक्ष डा.अजित कुमार चौधरी चिकित्सा जगतमे नित्य आबि रहल नव तकनीकीक प्रशिक्षण स्वास्थ्य कर्मी सभकेँ देबा पर जोर देलनि। चिकित्सक डा. बीएमपी यादव कहलनि जे पारा मेडिकल कर्मीक बिना चिकित्सक सेहो नि:सहाय बनि जाइत छथि। डा. यादव स्वास्थ्य कर्मी सभकेँ भगवानक रूप कहैत आम जनमे एहि विश्वास आ सम्मानकेँ बचा कऽ रखबा लेल तत्पर रहबाक आह्वान केलनि। प्रभात नारायण झा अपना सम्बोधनमे कहलनि जे तकनीकी विकास पाराकर्मीक रीढ़ अछि। एहिसँ सरकारकेँ हिनका सभक शिक्षाक व्यवस्था करब आवश्यक अछि। प्रसिद्ध पत्रकार सह लेखक अमलेन्दु शेखर पाठक अपन विचार व्यक्त करैत कहलनि जे पारा मेडिकल कर्मी रोगीकेँ अपनत्वसँ देखथि। कियेक तँ ओ हुनका लग एकटा नीक आ नम्हर उम्मीद लऽ अबैत छथि। अमरेश्वरी चरण सिन्हा कहलनि जे चिकित्सक द्वारा कएल गेल जाँचक बाद मरीजकेँ जे दर्द होइत अछि तकरा कम करबामे पारा मेडिकलक कर्मीक नीक भूमिका रहैत अछि। स्वागत आ आयोजन समितिक अध्यक्ष अनील सिंह सरकारसँ माङ केलनि जे पारा कर्मीकेँ उच्च शिक्षा देल जएबाक चाही। एकर लाभ रोगीकेँ उपचारमे भेटत। ओ पाराकर्मीक लेल रजिस्टर काउंसिल बनेबाक माङ सेहो केलनि।  एहि सेमिनारकेँ डा. मुरारी मोहन झा, मणिकान्त झा,परिचारिका समन्वय समितिक सचिव प्रभा कुमारी-2 सहित कतेको गणमाण्य व्यक्ति सम्बोधित केलनि। एहिमे प्रदेश भरिसँ पारा मेडिकल कर्मी पहुँचल छला।

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें