Blogger templates

शुक्रवार, 28 दिसंबर 2012

महिला मैराथनक संग जिला स्थापना दिवस समारोह शुरू



  महिला मैराथनक संग जिला स्थापना दिवस समारोह शुरू


-स्कूली छात्राकेँ  आनि भेल विधि पुरौअलि
- डीएम कहलनि जानकारी नञि, करेता जाँच

दरभंगा, 28 दिसम्बर। मिथिलाक सांस्कृतिक राजधानी दरभंगाक 139म स्थापना दिवस समारोह शुक्रकेँ महिला मैराथन दौड़क संग शुरू भेल। जिलाधिकारी नर्मदेश्वर लाल फीता काटि कार्यक्रमक उद्घाटन केलनि। तकरा बाद हरियर झण्डी देखा दौड़क शुरूआत करौलनि। एहि अवसरपर एडीएम दिनेश कुमार, एसडीओ प्रदीप कुमार गुप्ता, जिला खेल पदाधिकारी जयचन्द्र प्रसाद यादव, प्रमण्डलीय शारीरिक शिक्षा विभागक अधीक्षक शोभाकान्त शर्मा आदि सेहो  उपस्थित छला।
एहि बेरक महिला मैराथन दौड़मे प्रतिभागीक कमी रहल। दौड़ शुरू हेबाक समय धरि मात्र दर्जन भरि छात्रा डा. नागेन्द्र झा स्टेडियममे देखल गेली। ई कमी देखि अधिकारी लोकनि फिरीशान भऽ उठला आ कहुना प्रतिभागीक जुटान लेल प्रयास करैत देखल गेला।  एही बीच जानकारी भेटल जे +2 एमएआर स्कूल जा कऽ ओहिठाम प्रायोगिक परीक्षामे सम्मिलित हेबा लेल पहुँचल छात्रा सभकेँ प्रशासनिक गाड़ीसँ स्टेडियम धरि आनल गेल। पुछलापर छात्रा लोकनि कहलनि जे आइ गृह विज्ञान आ मनोविज्ञान प्रायोगिक परीक्षा छलनि। जखन स्कूल पहुँचली तँ कहल गेलनि जे परीक्षा निरस्त कऽ देल गेल अछि। आ सभकेँ एहिठाम आनल गेल। दौड़बा लेल एकहु गोट छात्रा तैयार नञि छली। मात्र 28 गोट छात्राक पञ्जीयन  मैराथन दौड़क लेल कहुना कएल जा सकल। एहि कारणेँ दौड़क समापन स्थल नेहरू स्टेडियम लहेरियासराय मात्र 11 गोट छात्रा पहुँचली। एहि सम्बन्धमे जखन मीडियाकर्मी पुछलनि तँ जिलाधिकारी श्री लाल कहलनि जे हुनका एहि तरहक कोनो सूचना नञि छनि। जँ एहन भेल अछि तँ ओकर जाँच कराओल जाएत। प्रतिभागीक कम संख्यापर हुनक कहब छलनि जे बेसी जाड़ आ प्रतियोगितामे पुरस्कारक व्यवस्था नञि रहबाक कारणेँ सम्भव अछि जे कम प्रतिभागीक जुटान भेल हो।

जिलाधिकारी देलनि शुभकामना
दरभंगा : जिलाधिकारी नर्मदेश्वर लाल दरभंगा जिलाक 139म स्थापना दिवसपर जिलावासीकेँ शुभकामना देलनि अछि। ओ कहलनि जे आबऽवला बरख जिलावासीक लेल सुख, शान्ति आ विकासक हो ई कामना करै छी। अपना स्तरसँ सेहो ओ विकासक प्रति विशेष सक्रिय रहता।

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें