Blogger templates

शुक्रवार, 28 दिसंबर 2012

स्थापना दिवस : विकासमे बैंकक भूमिका महत्वपूर्ण


  स्थापना दिवस : विकासमे बैंकक भूमिका महत्वपूर्ण


दरभंगा, 28 दिसम्बर। देशक निर्माणमे बैंकक भूमिका महत्वपूर्ण होइत अछि। एकरे माध्यमे सुदृढ़ समाजक निमार्ण कएल जा सकैत अछि। ई बात जिला पारिषद अध्यक्ष हरि सहनी कहलनि। ओ नेहरू स्टेडियममे आयोजित पाँच दिवसीय 139म जिला स्थापना दिवसक शुभ अवसरपर उद्घाटनकर्ताक रूपमे उपस्थित लोककेँ सम्बोधित कऽ रहल छला। ओ कहलनि जे जँ कोनो व्यक्तिकेँ बैंकसँ मदति नञि देल जाए तँ ओकर विकास रुकि जाइत अछि। देशक विकासपर सेहो एकर प्रभाव पड़ैत अछि। एहि अवसरपर उपविकास आयुक्त एचवाइ रिजवी कहलनि जे सरकारक विकासमुखी कार्यक्रममे बैंककेँ अग्रसर होबऽ पड़त। संगे सरकार द्वारा चलि रहल पटौनी योजनामे सेहो बैंककेँ 100 प्रतिशत लक्ष्य प्राप्त करबामे मदति देबाक चाही। अपर समाहर्ता दिनेश कु मार कहलनि जे देशक समृद्धि लेल शिक्षा आ आर्थिक सम्वृद्धि आवश्यक अछि। जँ बैंक छात्र-छात्रा लोकनिकेँ शिक्षा ऋण उपल्बध करबैत अछि तँ हुनका लोकनिक जीवन सफल भऽ जाएत। देशक प्रगति सेहो होएत। एहिसँ गरीब छात्रकेँ उच्च शिक्षा लेबामे मदति भेटत। एहि अवसरपर एसबीआइ केर जिला समन्वयक एसके झा कहलनि जे बैंक किसान लोकनिक लेल केसीसी योजना चलौने अछि। कृषि स्वर्ण योजना सेहो शुरू कएल जा रहल अछि। एहिसँ किसान लोकनिकेँ बेसी लाभ भेटतनि। ओ स्टेट बैंक दुर्घटना  बीमाक चर्चा सेहो एहि अवसरपर केलनि। ओ कहलनि जे एसबीआइ बैंक खाताधारीकेँ सय टाकाक वार्षिक शुल्कपर 40 लाखक बीमा देल जेतनि। ओमहर मेगा वितरण शिविरक अवसरपर 51.4 करोड़ टाकाक वितरण कएल गेल। मेगा क्रेडिट कैम्पमे सेन्ट्रल बैंक आफ इण्डिया द्वारा 521 गोट लाभुककेँ 1209.65 लाख टाका, पञ्जाब नेशनल बैंक द्वारा 922 गोट लाभुककेँ 815.71 लाखक परिसम्पतिक वितरण कएल गेल। एहिमे पम्पी सिन्हा, मुन्नी ठाकुर, अनिल कुमार, राजेश मेहता, रमाधर यादव आदि उपस्थित छला।

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें