Blogger templates

सोमवार, 31 दिसंबर 2012

स्थापना दिवस : वाद-विवादमे छिलकल धिया-पुताक प्रतिभा


  स्थापना दिवस : वाद-विवादमे छिलकल धिया-पुताक प्रतिभा



दरभंगा, 30 दिसम्बर । जिला स्थापना दिवसक अवसरपर पर्यावरण संरक्षणपर वाद-विवाद प्रतियोगिताक आयोजन कएल गेल। एहिमे विषय छल ‘पर्यावरण संरक्षण मात्र सरकारी प्रयाससँ सम्भव नञि’। प्रत्येक प्रतिभागीकेँ एहि विषयपर बजबा लेल तीन मिनटक समय देल गेल। जिला भरिक छात्रक विभाजन तीन वर्गमे कएल गेल छल। प्रथम वर्गमे कक्षा 6-8, दोसरमे  9-10 आ तेसरमे वर्गमे 11-12 धरि। प्रतिभागी लोकनि दुनू पक्षपर विचार रखलनि। हुनका लोकनिक कहब छलनि जे सरकारक अतिरिक्त नागरिक सभकेँ सेहो अपन कर्तव्यक पालन करक चाही। निर्णायक मण्डलमे डा. एस शमीम अहमद, डा. बीएन सिंह, महेशचन्द्र मिश्र आ सियाराम यादव छला। एहि अवसरपर प्रत्येक वर्गक विजेताकेँ पुरस्कृत कएल गेल। प्रथम वर्गमे मो. कमरान पहिल स्थान, मुकेश यादव दोसर आ मुस्तफीसकेँ तेसर स्थान भेटल। द्वितीय वर्गमे सत्यम, विभूति आ शाम्भवीकेँ क्रमश: पहिल, दोसर आ तेसर स्थान भेटल। तृतीय वर्गमे मनीष भारतीकेँ पहिल, प्रार्थना प्रियाकेँ दोसर आ सुमीत कुमारकेँ तेसर स्थान प्राप्त भेल।
एहि अवसरपर एडीएम दिनेश कुमार, उपविकास आयुक्त एचवाइ रिजवी, विजेन्द्र प्रसाद, जिला खेल अधिकारी जयचन्द्र यादव, वरीय उपसमाहर्ता बिन्दा प्रसाद, जिला खेल संघक सचिव जितेन्द्र कुमार सिंह, डीपीआरओ एसएन झा उपस्थित छला। मञ्च सञ्चालन राम बुझावन यादव केलनि।

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें