Blogger templates

सोमवार, 31 दिसंबर 2012

नञि रहला वरिष्ठ सेनानी आ पूर्व विधायक राम सेवक ठाकुर


  नञि रहला वरिष्ठ सेनानी आ पूर्व विधायक राम सेवक ठाकुर


हायाघाट, 30 दिसम्बर । वरिष्ठ स्वतंत्रता सेनानी आ पूर्व कांग्रेस विधायक राम सेवक ठाकुरक निधन रविकेँ भऽ गेल। ओ मूलत: बहादुरपुर प्रखण्डक रामभद्रपुर पञ्चायतक श्रीदिलपुर गामक निवासी छला। ओ 93 बरखक छला। ओ अपना पाछाँ एक पुत्र, 8 पुत्री आ पौत्र-पौत्रीसँ भरल परिवार छोड़ि गेला अछि। ओ बरख 1962 मे कांग्रेसक टिकटपर विधायक चुनल गेल छला। आजादीक लड़ाइमे ओ जहल सेहो गेल छला। पुरनका दरभंगा जिलामे ओ 20 बरख धरि कांग्रेसक अध्यक्ष रहला। पूर्व राष्ट्रपति आ देशक प्रसिद्ध वैज्ञानिक 2006 मे हुनका विरष्ठ स्वतंत्रता सेनानीक रूपमे सम्मानित केने छला।

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें