Blogger templates

सोमवार, 31 दिसंबर 2012

सुप्रिया फेर जितलनि साइकिल रेस -अञ्जली रहली दोसर आ अनुपम तेसर स्थानपर



सुप्रिया फेर जितलनि साइकिल रेस

-अञ्जली रहली दोसर आ अनुपम तेसर स्थानपर

दरभंगा, 30 दिसम्बर। महिला साइकिल रेस एकबेर फेर सुप्रिया जीत लेलनि। रविकेँ एकमी पुलसँ दक्षिण चैती दुर्गा मन्दिरसँ नेहरु स्टेडियमक बीच भेल साइकिल रेसमे ओ सभकेँ पछााड़ि पहिल स्थानपर रहली। विनोद मिश्रक पुत्री सुप्रिया  पछिलो बेर रेसक विजेता रहल छली। दोसर स्थानपर पहुँचऽवाली प्रतिभागी अञ्जली कुमारी बनली। अपना गाम पतौरसँ नित्य 18 किमी साइकिल चला डा. नागेन्द्र झा महिला कॉलेज ऐनिहारि प्रशांत मिश्र आ विभा कुमारीक पुत्री अञ्जलीक आकांक्षा अभियन्ता बनबाक छनि। तेसर स्थानपर चक्का पड़री गामवासी शम्भू ठाकुर आ मन्नू देवीक बेटी अनुपम कुमारी रहली। जिला प्रशासन पहिल दस प्रतिभागीक नाम सूचीबद्ध केलक, जिनका सभकेँ पहिल जनवरीकेँ पुरस्कृत कएल जाएत। शेष सात प्रतिभागीमे चारिमसँ दसम स्थानपर क्रमश: नीतू कुमारी, पूजा कुमारी, नीतू कुमारी, कल्याणी कुमारी, सोनी कुमारी , पूजा भारती आ गुञ्जा कुमारी रहली। एहि रेसमे एक सयसँ बेसी प्रतिभागी शामिल भेली। एहि शीतलहरिमे सेहो उत्साहक संग छात्रा सभ भाग लऽ जिलाक विकासमे अपन अवदानकेँ प्रति प्रतिबद्धता देखौलनि।  

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें