Blogger templates

बुधवार, 26 दिसंबर 2012

सभ वार्डमे हो पार्क : मेयर गौड़ी पासवान


  सभ वार्डमे हो पार्क : मेयर गौड़ी पासवान


- नव बरखमे शहरकेँ सुन्दर बनेबाक करब प्रयास

दरभंगा, 25 दिसम्बर । नव बरखमे शहरक विकासमे नव अध्याय जोड़बाक प्रयास करब। एहि लेल व्यक्तिगत स्तरपर चेष्टा करब। ई बात नगर निगमक महापौर गौारी पासवान कहलनि। ‘मिथिला आवाज’क संग विशेष भेटमे ओ कहलनि जे शहरक आबादी तेजीसँ बढ़ि रहल अछि। एहि तुलनामे आवश्यकता सेहो बढ़ि रहल अछि। हुनक प्रयास रहत जे नव बरखमे शहरक सभ आवश्यकताक  पूर्ति करता।
श्री पासवान कहलनि जे आबादी तेजीसँ बढ़ि रहल अछि। एहि ठाम दू-दू गोट विश्वविद्यालय अछि। दरभंगा प्रमण्डलीय मुख्यालय अछि। हजारो छात्र आ सामान्य जन एहि ठाम रोज अबै छथि, मुदा हुनका सभक लेल कोनो एहन स्थान नञि अछि जाहि ठाम ओ भोर-साँझ बिता सकथि। मनोरञ्जनक स्थानक  अभाव अछि। एकर निदान लेल नव बरखमे शहरक  प्रत्येक वार्डमे पार्क बनबेबा लेल व्यक्तिगत स्तरपर प्रयास करता जाहिसँ धीया-पुता, जुआन आ बूढ़-पुरान अपन साँझ तनाव विहीन भऽ बितेता। भोरमे टहलि स्वास्थ्य लाभ करता। मेयर कहलनि जे चन्द्रधारी संग्रहालय परिसरमे निर्माणाधीन थिमेटिक पार्क, नौका विहार आ म्यूजिकल फाउण्टेनकेँ शुरू करेबाक विधि सम्मत प्रयास करता। सशक्त स्थायी समितिक माध्यमे एहि लेल यथाशीघ्र प्रयासक बात ओ कहलनि। शहरकेँ पूर्ण स्वच्छ रखबाक यथा सम्भव प्रयास कएल जाएत। एहिमे शहरवासीसँ सेहो सहयोग करबाक आग्रह महापौर केलनि। एहि लेल निजी एजेंसीकेँ फेरसँ तकबाक बात ओ कहलनि। श्री पासवान कहलनि जे आबऽ वला बरख शहरक विकास लेल स्मरण राखल जाएत आ हुनका विश्वास छनि जे एहि विकासमे ‘मिथिला आवज’क भूमिका महत्वपूर्ण होएत। मेयर कहलनि जे विदा लऽ रहल साल 2012 दरभंगा आ मिथिलाक इतिहासमे एहि लेल अंकित होएत जे एहि ठामसँ माटि-पानिक भाषा मैथिलीमे ‘मिथिला आवाज’ केर प्रकाशन आरम्भ भेल।

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें