Blogger templates

बुधवार, 26 दिसंबर 2012

अगिलग्गीमे डेढ़ दर्जन घर सुड्डाह


  अगिलग्गीमे डेढ़ दर्जन घर सुड्डाह


- महिला सहित तीन झरकला

- झरकि मरल आधा दर्जन बकरी

सरायरञ्जन (समस्तीपुर), 25 दिसम्बर । गंगसारा पञ्चायतक अहमदपुर गाममे सोमक राति आगि लगबासँ डेढ़ दर्जन घर सुड्डाह भऽ गेल। एहिमे एक गोट महिला सहित दू गोट नेना सेहो झरकि गेला। ओतहि आधा दर्जन बकरी जरि कऽ मरि गेल। अनुमान लगाओल जा रहल अछि जे एहि घटनामे लगभग दू लाख टाकाक अन्न, कपड़ा, बासन आदिक नोकसान भेल अछि। कहल जा रहल अछि जे गामक हरे किशुन आ हुनक परिवारक लोक घूर तापि रहल छला। घूर जरिते छोड़ि सभ सूति रहला। एकाएक घूर लहकि उठल आ लगक टाटमे आगि धऽ लेलक आ देखिते-देखिते पसरि गेल। जाबत जाग भेल ताबत ई विकराल रूप लऽ चुकल छल आ ओहिपर काबू पेबासँ पूर्वे एकर चपेटमे आबि डेढ़ दर्जन घर सुड्डाह भऽ गेल। एहिमे वैद्यनाथ सहनीक पत्नी रञ्जन देवी (25), हुनक पुत्र किशन कुमार (3) आ पुत्री (3 मास) झड़कि कऽ घायल भऽ गेल। सभकेँ इलाज लेल पीएचसीमे भर्ती कराओल गेल अछि। हरे किशुन सहनीक छओ गोट बक री एहिमे जरि कऽ मरि गेल। एकर अतिरिक्त कमलेश सहनी, विनोद सहनी, कैलाश सहनी, दर्शन सहनी, मञ्जू देवी, सुनील सहनी, नुनू सहनी, लाल बाबू सहनी, बलम सहनी, मनोज सहनी, हरेन्द्र सहनी, रामचन्द्र सहनी, बुलकी देवी, बिहारी सहनी, महेन्द्र सहनी आ अखिलेश सहनीक घर जरि कऽ राख भऽ गेलनि। घटनास्थलपर बीडीओ सुधीर कु मार आ थानाध्यक्ष गोपाल मण्डल पहुँचि गेला। पीड़ीत लोकनिक बीच एक-एक हजार टाका बाँटल गेल। रवीन्द्र पासवान चूड़ा-गुड़ आ जिला पार्षद रञ्जीत निगुर्णी पीड़ित लोकनिकेँ कम्मलक उपलब्ध करौलनि अछि।

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें