Blogger templates

रविवार, 30 दिसंबर 2012

साइकस बनल पुष्प-वाटिकाक राजा, गुलदाउदीक माथ रानीक मुकुट -मशरुम बनली राजकुमारी आ यूफारबिया राजकुमार - पुष्प प्रेमी लेल आइ दुपहरमे खुजत प्रदर्शनीक द्वार


 

साइकस बनल पुष्प-वाटिकाक राजा, गुलदाउदीक माथ रानीक मुकुट
-मशरुम बनली राजकुमारी आ यूफारबिया राजकुमार



- पुष्प प्रेमी लेल आइ दुपहरमे खुजत प्रदर्शनीक द्वार



दरभंगा, 29 दिसम्बर । नगर भवन फुलबाड़ीमे बदलि गेल अछि। एक दिस कोनो फूल मुस्किया रहल अछि तँ दोसर दिस कोनो दोसर फूल विहुसि रहल अछि। पतियानीमे सजाओल फूलक गमला अद्भुत दृश्य उपस्थित कऽ रहल अछि। एकर आनन्द रविकेँ पुष्प प्रेमी सेहो लऽ सकता। हुनका सभ लेल दुपहरियामे 12 बजेसँ प्रदर्शनीक दरबज्जा खोलल जाएत। एहिसँ पहिने प्रदर्शनीक उद्घाटन समारोहक आयोजन होएत जाहिमे प्रदर्शनीक विजेता प्रतिभागी लोकनिकेँ पुरस्कृत सेहो कएल जाएत।
 राष्टÑीय स्तरपर दरभंगाक एकटा फराक परिचय देनिहार ई 21 पुष्प प्रदर्शनी मे शनिकेँ निर्णायक लोकनि एहिमे शामिल पुष्प सभमेसँ  विजेताक चयन केलनि। परम्परानुरुप  प्रदर्शनीक राजा, रानी, राजकुमार आ राजकुमारीक संग सर्वश्रेष्ठ विजेताक घोषणा कएल गेल।
   शिव भगवान गुप्ताक जामिया साइकस जतए किंग आॅफ शो बनल ओतहि डा. प्रवीण सिन्हाक मोहक गुलदाउदी क्वीन आॅफ शो चुनल गेली। विनोद पंसारीक यूफारविया राजकुमार आ यूएम देवीक मशरुम राजकुमारी बनाओल गेली। सर्वश्रेष्ठ पुरस्कारक लेल शिव भगवान गुप्ता चयनित भेला।
  निर्णायक मण्डलीमे स्थानीय विशेषज्ञसँ लऽ दिल्ली धरिसँ लोक सभ पहुँचल छला। एहिमे दिल्लीसँ अनिल कुमार भल्ला आ संजीव विन्द्रा, राजेन्द्र कृषि विश्वविद्यालय पूसाक अरुण कुमार, बी सिन्हा आ डा. एके सिन्ह एवं स्थानीय डा. जयकर झा, जयशंकर प्रसाद, डा. विद्यानाथ झा, डा. एबी वर्मा आ सरदार अरविन्द सिंह सम्मिलित छला।
    एहि बरखक प्रदर्शनी आयोजक नार्थ बिहार हार्टिकल्चर सोसाइटीक सदस्य लेल बेस उल्लास देबऽबला अछि। कारण पहिल बेर एहिमे नेना-भुटका सभ सेहो प्रतिभागीक रुपमे शामिल भेल अछि। एहि प्रदर्शनीक बीया रोपनाहर डा. राम बाबू खेतान कहलनि जे 3 दर्जनसँ अधिक बच्चा सभ एहिमे भाग लऽ रहल छथि। आयोजनक उद्येश्य लोक सभकेँ पुष्पक प्रति जागरुक बनेबाक आ एहि माध्यमसँ प्राकृतिक सुन्दरताक प्रति आकर्षित करब अछि। एहि अवसरपर डा. लता खेतान, विनोद पंसारी आदि सेहो उपस्थित छला।

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें