Blogger templates

रविवार, 30 दिसंबर 2012

पुरुष मैराथनक चैम्पियन बनला कार्तिक - दौड़मे सम्मिलित भेला 182 प्रतिभागी



  पुरुष मैराथनक चैम्पियन बनला कार्तिक
- दौड़मे सम्मिलित भेला  182 प्रतिभागी

दरभंगा, 29 दिसम्बर । जिला स्थापना दिवस समारोहक दोसर दिन पुरुष मैराथन दौड़क आयोजन भेल। डा. नागेन्द्र झा स्टेडियममे शनिकेँ भोरेसँ प्रतिभागीक जुटान आरम्भ भऽ गेल। 182 प्रतिभागी एहिमे भाग लेलनि। शीतलहरीक बावजूद प्रतिभागी लोकनि उत्साहक संग स्टेडियम पहँुचला। पञ्जियन करेबा लेल सभ अपस्यॉत छला। दौड़ आरम्भ हेबा लेल निर्धारित समय धरि पञ्जियन चलि रहल छल। खेल विभागक देव नन्दन कुमार एहि काजमे बाझल छला। जिला खेल पदाधिकारी जयचन्द्र प्रसाद यादव सेहो ओहिपर नजरि रखने छला। एकर उद्घाटन एडीएम दिनेश कुमार, डीडीसी एचवाइ रिजवी आ सदर अनुमण्डल पदाधिकारी प्रदीप गुप्ता हरियर झण्डी देखा केलनि। झण्डी झुकबिते प्रतिभागी लक्ष्य दिस दौड़ि पड़ला।
      नागेन्द्र झा स्टेडियमसँ नेहरु स्टेडियमक बीच आयोजित एहि मैराथन दौड़मे पहिल स्थानपर कार्तिक कुमार सिंह रहला। दोसर स्थानपर रञ्जीत कुमार यादव पहुँचला आ तेसर स्थनपर सुमन कुमार मिश्र रहला। जिला प्रशासन पहिल दस स्थानपर रहए बला प्रतिभागीकेँ चयन केलक जाहिमे सञ्जीव कुमार, राम इकबाल मुखिया, आशुतोष मिश्र, रामविनय पासवान, अमरजीत कुमार यादव, बजरंगी कुमार दास आ रामाशीष यादव सम्मिलित छला। हिनका सभकेँ पहिल जनबरीकेँ पुरस्कार देल जेतनि।

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें