Blogger templates

सोमवार, 31 दिसंबर 2012

-छात्र-छात्राक सांस्कृतिक प्रस्तुतिसँ संगीतमय भेल स्टेडियम परिसर -शास्त्रीय, उप शास्त्रीय आ पॉप संगीतक बहैत रहल रसधार


  सत्यम शिवम सुन्दरम


-छात्र-छात्राक सांस्कृतिक प्रस्तुतिसँ संगीतमय भेल स्टेडियम परिसर
-शास्त्रीय, उप शास्त्रीय आ पॉप संगीतक बहैत रहल रसधार

दरभंगा, 30 दिसम्बर। शास्त्रीय, उप शास्त्रीय आ पॉप संगीतक त्रिवेणी नेहरु स्टेडियम बनि गेल। भगवत वन्दना, राष्टÑीय भाव आ युवा दर्शककेँ गुदगुदएबा वला प्रस्तुति होइत रहल। जिला स्थापना दिवसक अवसरपर रविकेँ संध्याकाल कॉलेज आ स्कूली छात्र-छात्रा द्वारा देल गेल सांस्कृतिक प्रस्तुतिसँ दर्शक श्रोता गदगद भऽ गेला। जतऽ झूम डांस एकेडमीक छात्र-छात्रा सभ ‘सत्यम शिवम सुन्दरम’ गीतपर भाव नृत्य प्रस्तुत कऽ माहौलकेँ भक्तिमय बना देलनि ओतहि एहि माहौलकेँ ज्ञान भारती स्कूलक प्रतिभागी शिव ताण्डव प्रस्तुति ओडिसी नृत्यक माध्यमसँ आर गाढ़ कऽ देलनि। एकर बाद कस्तूरबा गान्धी बालिका विद्यालय सिरनियाँक छात्रा ‘राधा कैसे न जले’ पर उप शास्त्रीय नृत्य कऽ बेस थपड़ी समेटलनि। एहि आयोजनमे आनन्द मार्ग स्कूलक बच्चा सभ ‘मैने पायल है छनकाइ’, कस्तूरबा गान्धीक छात्रा ‘मैया यशोदा ये तेरा कन्हैया’, ज्ञान भारतीक छात्रा ‘बाबुल प्यारे हो रोये सासों की सरगम’ सहित अन्य गीतपर प्रतिभागी लोकनि भारतीय नृत्य शैलीक मजगर प्रदर्शन केलनि। दोसर दिस कस्तूरबा गान्धीक छात्रा ‘पल-पल न माने टिंकू जिया’, एही विद्यालयक प्रतिभागी द्वारा ‘आजा नचले नचले मेरे यार’आदि गीतपर पश्चिमी पॉप डांसक प्रस्तूति देलनि। एहि अवसरपर राष्टÑप्रेमक स्वर सेहो बुलन्द भेल। कस्तूरबा गान्धीक छात्रा लोकनि ‘सजेगी माङ धरती की’ ज्ञान भारतीक प्रतिभागी ‘कोइ लूटे ना विदेशी टोपी’ आदि गीतक माध्यमसँ दर्शक श्रोताक हृदयमे राष्टÑप्रेम जगा गेलनि। आनन्द मार्ग स्कूलक कलाकार ‘तुम हो मेरे कृष्ण जगतपति’ सीएम साइंस कॉलेजक प्रतिभागी ‘जय गणेश देवा’ पर भाव नृत्य प्रस्तुत कऽ वातावरणमे भक्ति रस घोरि देलनि।
    एहि अवसरपर कार्यक्रमक संयोजक जिला शिक्षा पदाधिकारी चन्द्र शेखर कुमार सहित अन्य अधिकारी गण उपस्थित छला। निर्णायकक रूपमे सदर एसडीओ प्रदीप गुप्ता, वरीय उप समाहर्ता सुधा गुप्ता, प्रधानाध्यापक अमरनाथ झा आ राम बुझावन यादव रमाकर उपस्थित छला।

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें