Blogger templates

सोमवार, 31 दिसंबर 2012

-फुलबार बनल नगर भवन प्रदर्शनीमे उमड़ल पुष्प-प्रेमीक भीड़ -प्रमण्डलीय आयुक्त केलनि उद्घाटन


  -फुलबार बनल नगर भवन


प्रदर्शनीमे उमड़ल पुष्प-प्रेमीक भीड़
-प्रमण्डलीय आयुक्त केलनि उद्घाटन

दरभंगा, 30 दिसम्बर । नगर भवन आइ फुलबारी नजरि आबि रहल छल। पतियानीमे सजल फूलक गमलामे फुलाएल फूल तेना बुझाइ छल जेना ओ कियारीमे बिहुँसि रहल हो। एक दिस राजा बनल ‘जामिया साइकस’ गौर्वोन्नत भेल झूमि रहल छल, तँ दोसर दिस ‘गुलदाउदी’ रानी बनल मुस्किया रहल छली। राजकुमारी ‘मशरुम’ आ राजकुमार ‘यू फॉरविया’ मदमस्त भावे आन फूल सभ दिस ताकि रहल छल। एहि चारू विजेताक आधार बनल अन्य फूल सभ सेहो अपन आकर्षक भंगिमासँ पुष्पप्रेमी लोकनिकेँ आह्लादित कऽ रहल छल।
 उत्तर बिहार उद्यान समितिक तत्वावधानमे आयोजित राष्टÑीय स्तरक पुष्प प्रदर्शनीक केबाड़ रविकेँ आम जन लेल खुजिते लोकक भीड़ नगर भवनमे उमड़ि पड़ल। घण्टो धरि पुष्प-प्रेमी फूलक नैसर्गिक सौन्दर्यकेँ निहारैत आँखिसँ पिबैत रहला। कतेको लोक अपन कैमरा आ मोबाइलमे एहि दृश्यकेँ सहेजि रहल छला। मुन्हारि साँझक बादो लोकक भीड़ जुटल रहल। एहि 21म आयोजनमे 136 प्रतिभागी अपन फूलक संग भाग लेलनि।
 एहिसँ पहिने प्रमण्डलीय आयुक्त वन्दना किन्नी प्रदर्शनीक विधिवत उद्घाटन केलनि। विख्यात नेत्र चिकित्सक डॉ. एसके जैनक सञ्चालनमे भेल समारोहमे ओ कहलनि जे पर्यावरण सुरक्षाक दृष्टिसँ ई आयोजन सराहनीय अछि। श्रीमती किन्नी नारी सुरक्षापर सेहो गम्भीर हेबाक आवश्यकता दिस सभक ध्यान आकृष्ट केलनि। समारोहमे पञ्जाब नेशनल बैंकक क्षेत्रीय प्रबन्धक, मारबाड़ी सम्मेलनक प्रदेश अध्यक्ष पवन सुरेका, डा. रामबाबू खेतान, लता खेतान, डा. केएनपी सिन्हा, विनोद सरावगी, डा. मित्रनाथ झा सहित दर्जनो गणमान्य उपस्थित छला। एहि अवसरपर ‘किंग आॅफ शो’ शिव भगवान गुप्ता, ‘क्वीन आॅफ शो’ डा. प्रवीण सिन्हा, ‘प्रिंस आॅफ शो’ विनोद पंसारी, ‘प्रिंसेस आॅफ शो’ यूएम देवीक संग विभिन्न पुष्पक संग प्रतिभागी भेनिहार सभकेँ सेहो पुरस्कृत कएल गेल। सर्वश्रेष्ठ पुरस्कार श्री गुप्ताकेँ भेटलनि।

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें