Blogger templates

शुक्रवार, 28 दिसंबर 2012

पुलिस हिरासतमे जीप चालक मृत्यु


  -पुलिस हिरासतमे जीप चालक मृत्यु



 आक्रोशित ग्रामीण केलनि सड़क जाम
- पुलिसक पिटाइसँ मृत्युक आरोप
- डीएसपी देलनि पारदर्शी जाँचक आश्वासन


बिरौल (दरभंगा), 27 दिसम्बर । कुशेश्वरस्थान थानाक बेर चौक लग बुधक साँझ भेल सड़क दुर्घटनाक बाद पुलिस हिरासतमे जीप चालक ब्रहमपुर निवासी उमेश यादव (38) केर मृत्युक मामिला तूल पकड़ि लेलक अछि। एहि घटनासँ जनमानस उद्वेलित भऽ उठल अछि। ग्रामीण लोकनिक अनुसार मृत चालक केर पुत्र द्वारा भेटल जानकारीक हिसाबे पुलिस द्वारा जमि कऽ भेल पिटाइसँ उमेशक मृत्यु भेल। ओतहि पुलिसक कहब अछि जे थाना अनैत देरी उमेशक हालति खराब भऽ गेल आ ओकरा कुशेश्वरस्थान पीएचसी आनल गेल जतऽ ओकर मृत्यु भऽ गेल। ग्रामीण एकरा मानबा लेल तैयार नञि छथि। एमहर पुलिसक विरोधमे ग्रामीण लोकनि लहासक संग मुख्य पथकेँ जाम कऽ देलनि। लगभग दू घण्टा धरि लोक डटल रहल आ पुलिसक विरोधमे नारा लगबैत रहल। घटनाकेँ गम्भीरतासँ लैत डीएसपी दिलनवाज अहमद आ एसडीओ जगदीश कुमार ओहि ठाम पहुँचि प्रदर्शनकारी लोकनिकेँ मनेबाक प्रयास केलनि। डीएसपी आश्वासन देलनि जे मामिलाक छानबीन कराओल जाएत आ मेडिकल टीम द्वारा मैजिस्ट्रेटक समक्ष पोस्टमार्टम होएत जकर वीडीयो रेकार्डिंग क राओल जाएत। जाँचमे जे क्यौ दोषी हेता हुनकापर उचित कारवाइ कएल जाएत। तखन जा कऽ ग्रामीण सड़क जाम समाप्त केलनि। उल्लेखनीय अछि जे बुधक साँझ ब्रहमपुर गामसँ सुनीता देवीक बिदागरी करा उमेश यादव जीपसँ आपस आबि रहल छल। कुहेसक कारणेँ बिरौल-कुशेश्वरस्थान मुख्य मार्गपर  जीप ( एम एच 23 इ 299 ) उनटि कऽ लगभग दस फीट खाधिमे चलि गेल। एहिमे सोनू यादव, ढोढ़ाइ यादव, सुनीता देवी आ एक गोट नेना राजेश कुमार घायल भऽ गेल। सभकेँ एम्बुलेंससँ प्राथमिक उपचार लेल सतीघाट पीएचसी पहुँचाओल गेल। चिकित्सक डॉ. गिरिश कुमार प्राथमिक उपचार शुरू केलनि। सोनू यादवकेँ डीएमसीएच रेफर कऽ देल गेल। ओमहर राति लगभग 9.15 बजे ड्राइवर उमेशकेँ पुलिस सतीघाट पीएचसी अनलक। चिकित्सा प्रभारी डॉ. वी. झाक अनुसार प्राथमिक उपचारक बाद ड्राइवरकेँ लऽ थाानाध्यक्ष चलि गेला। ओतहि थानाध्यक्ष दिवाकर सिंह कहलनि जे थाना पहुँचैत देरी ड्राइवरक स्थिति खराब होबऽ लागल। इलाज लेल उमेशकेँ कुशेश्वरस्थान पीएचसी आनल गेल। जतऽ ओकर मृत्यु भऽ गेल।

्नरोशन कुमार ‘मैथिल’

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें