Blogger templates

शुक्रवार, 28 दिसंबर 2012

- आकाशवाणीमे विदाइ समारोह आयोजित

  - आकाशवाणीमे विदाइ समारोह आयोजित 

दरभंगा, 27 दिसम्बर। आकाशवाणी दरभंगाक कार्यक्रम अधिशासी डा. प्रभात नारायण झा बहुमुखी प्रतिभाक धनी रहला अछि। हिनक व्यक्तित्व प्रभावी रहल अछि। हिनक कार्यकाल सभक स्मृति-पटलपर सदिखन अंकित रहत। ई उद्गार छल आकाशवाणी केन्द्रक हुनक सहकर्मी लोकनिक जे आइ समारोह आयोजित कऽ हुनका भावपूर्ण विदाइ देलनि। डॉ. झाक एहि ठामसँ स्थानान्तरण भऽ गेलनि अछि। समारोहक अध्यक्षता करैत केन्द्रक कार्यक्रम प्रमुख डा. उमाशंकर झा कहलनि जे डा. पीएन झाक अभाव हुनका सदिखन खलतनि। ओ आशा व्यक्त केलनि जे जहिना ओ अपन दोसर कार्यकलामे दरभंगा एला तहिना फेरो भविष्यमे औता। एहि अवसरपर डा. पीएन झा कहलनि जे दरभंगाकेँ ओ कहियो नञि बिसरि सकै छथि। मिथिलाक सांस्कृतिक राजधानी हुनका बहुत किछु देलकनि अछि। ओ कहलनि जे एहि ठामक स्मृतिकेँ सदिखन सहेजि कऽ रखता। एहि अवसरपर कार्यक्रम अधिशासी सियाशरण चौधरी अपन भावनाकेँ शायरीमे व्यक्त केलनि। उद्घोषक शिशिर कुमार कर्ण कहलनि जे डॉ. झा कार्यक्रमक गुणवत्ताकेँ लऽ सदिखन चिन्तनशील रहला। ओ उपस्थित नैमित्तिक उद्घोषक एवं कम्पीयरसँ एहि दिशामे सकारात्मक प्रयासक आग्रह केलनि। एहि अवसरपर प्रमोद कुमार सिंह, आदित्यनाथ झा, सीताराम शर्मा, सञ्जय कुमार, मीरा झा, अरुण कुमार झा, सुरेन्द्र पासवान आ रञ्जीत झा हुनका संग बीतल क्षणकेँ स्मरण केलनि। गोपाल कृष्ण श्रीवास्तवक आभारसँ सम्पन्न कार्यक्रममे डॉ. झाकेँ उपहार सेहो प्रदान कएल गेल। 

रोशन कुमार ‘मैथिल’

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें