Blogger templates

गुरुवार, 27 दिसंबर 2012

सड़क दुर्घटनामे बाइक सवारक मृत्यु




  सड़क दुर्घटनामे बाइक सवारक मृत्यु


दरभंगा, 27 दिसम्बर (मिआसं)। वृहस्पितिक  बेरूपहर लगभग 3 बजे लहेरियासराय-बहेड़ी पथक पण्डासराय रेलवे गुमती लग मोटरसाइकिल आ ट्रेक्टरक बीच टक्कर भऽ गेल। एहिमे बाइक सवार पतोर ओपी क्षेत्र निवासी हरिश्चन्द्र ठाकुरक पुत्र सुमीत ठाकु र (28) केर मृत्यु घटनास्थलेपर भऽ गेल। प्राप्त जानकारीक अनुसार बंगाली टोलामे कोचिंग सेण्टर चलौनिहार सुमित अपना गामसँ मोटरसाइकिल (बीआर 7 के-0930) लऽ दरभंगा आबि रहल छला। एहि क्रममे हुनक मोटरसाइकिलक टक्कर लहेरियासरायसँ बहेड़ी दिस जा रहल ट्रेक्टर (बीआर 7 जी-2477) सँ भऽ गेल।   ट्रैक्टर चालक भागबामे सफल रहल। घटनाक जानकारी भेटैत देरी लहेरियासराय थाना पुलिस घटनास्थलपर पहुँचि दुनू वाहनकेँ अपना कब्जामे लऽ लेलक। लहासकेँ पोस्टमार्टम लेल डीएमसीएच पठा देल गेल अछि। एहि सन्दर्भमे ट्रेक्टर चालकक विरुद्ध लहेरियासराय थानामे प्राथमिकी सेहो दर्ज कराओल गेल अछि। दोसर दिस भारतीय आटो रिक्सा मजरूर संघक उपाध्यक्ष योगेन्द्र स्वर्णकार प्रशासनसँ मृतकक परिजनकेँ उचित मोआवजा देबाक माङ केलनि अछि।

रोशन कुमार ‘मैथिल’

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें