Blogger templates

गुरुवार, 27 दिसंबर 2012

क्वीज प्रतियोगितामे सफल 15 पुरस्कृत


  क्वीज प्रतियोगितामे सफल 15 पुरस्कृत


दरभंगा, 27 दिसम्बर । बहादुपुर प्रखण्डक दिलावरपुर पञ्चायतक लोहिया चरण सिंह महाविद्यालयक परिसरमे प्रभात दास फाउण्डेशन दिससँ सामान्य ज्ञान क्वीज प्रतियोगिताक आयोजन वृहस्पतिकेँ भेल। एहिमे साइंस कोंचिग सेण्टरक कक्षा 9 आ 10 केर 137 गोट छात्र-छात्रा लोकनि भाग लेलनि। सभसँ बेसी अंक अननिहार पहिल 15 गोट छात्रकेँ  पुरस्कृ त कएल गेल। एहिमे रूपम कुमारी, प्रवीण कुमार, अमर कुमार, आरती कु मारी, संगीता कुमारी, रवि प्रकाश, प्रियंका कुमारी, राजीव कुमार, दीपक कुमार, अनुराज कु मारी, विवेक कुमार, साफिया कुमारी, अशोक कुमार, राखी कुमारी आ रमण कु मार सम्मिलित छथि। हिनका लोकनिकेँ महाविद्यालयक प्राचार्य डा. शिवनारायण यादव द्वारा पुरस्कार देल गेल। ओ कहलनि जे प्रतियोगिताक माध्यमे फाउण्डेशन छात्र लोकनिक प्रतिभाकेँ निखारि रहल अछि। कार्यक्रमक सञ्चालन प्रखण्ड समन्वयक रामानन्द सिंह यादव केलनि। एहि अवसरपर प्रो. रामकृष्ण राय, प्रो. मिथलेश यादव, उपेन्द्र शर्मा, प्रदीप कुमार आदि उपस्थित छला।

रोशन कुमार ‘मैथिल’

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें