Blogger templates

शुक्रवार, 28 दिसंबर 2012

रेलवे घुरौलक सवा दू लाख टाका


  रेलवे घुरौलक सवा दू लाख टाका

दरभंगा, 28 दिसम्बर। स्वतंत्रता सेनानी सुपरफास्ट ट्रेन शुक्रकेँ निरस्त रहबाक कारणेँ रेलवेकेँ सवा दू लाख टाकाक घाटा लागल। उल्लेखनीय अछि जे कुहेसक कारणेँ दरभंगा-नव दिल्ली स्वतंत्रता सेनानी एक्सप्रेसकेँ शुक्रकेँ निरस्त कऽ देल गेल छल। एहि ट्रेनमे आरक्षित टिकट लेनिहार यात्री जखन स्टेशन पहुँचला तँ हुनका जानकारी देल गेलनि जे ट्रेनक परिचालन निरस्त अछि। ओ लोकनि टिकट आपस करबा लेल भारी संख्यामे वैदेही आरक्षण केन्द्रपर जमा भऽ गेला जाहिसँ दिन भरि ओहिठाम हबगब मचल रहल। टिकट आपसी लेल यात्रीकेँ जुटबासँ आरक्षण लेबऽ लेल पहुँचल यात्री फिरीशान रहला।

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें