Blogger templates

गुरुवार, 27 दिसंबर 2012

मैथिलीमे प्राथमिक शिक्षा लेल धरना 8 केँ



  मैथिलीमे प्राथमिक शिक्षा लेल धरना 8 केँ

दरभंगा, 27 दिसम्बर । मिथिलाञ्चल विकास परिषदक कार्यालयमे वृहस्पितकेँ गोपाल प्रसाद सिंहक अध्यक्षतामे बैसार भेल। एहिमे निर्णय लेल गेल जे 8 जनवरी 2013 केँ 12 बजेसँ 2 बजे धरि मँुहपर कारी पट्टी बान्हि समाहर्ताक समक्ष देल जाएत। एहि धरनाक माध्यमे मातृभाषा मैथिलीमे प्रथमिक शिक्षा देल जेबाक माङ कएल जाएत। एहि लेल आन संस्था सभक सहयोग सेहो सहयोग लेल जाएत। बैसारमे सीता राम सिंह, कमलेश झा, सरोज कुमार झा, धर्मेन्द्र कुमार झा, हीरा लाल सहनी, कुमरजी चौधरी सेहो अपन विचार रखलनि।
्न
रोश्न कुमार ‘मैथिल’

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें