Blogger templates

बुधवार, 26 दिसंबर 2012

पृथक मिथिला राज्य लेल होउ एकजुट


  पृथक मिथिला राज्य लेल होउ एकजुट

भागलपुर, 26 दिसम्बर । अन्तर्राष्टÑीय मैथिली परिषद दिससँ थाना बिहपुरक दक्षिणबारि टोलमे बुधकेँ बैसार भेल जकर अध्यक्षता माया देवी केलनि। एहि अवसरपर परिषदक प्रवक्ता डॉ. धनाकर ठाकुर कहलनि जे मिथिला-मैथिली लेल काज केनिहार सभ संस्थाकेँ पृथक मिथिला राज्य लेल एक हेबाक चाही। जा धरि मिथिला राज्यक निर्माण नञि होएत ता धरि विकास सम्भव नञि अछि। एहि अवसरपर उपाध्यक्ष अजय चौधरी, राज कुमार, अमित कुमार आदि सेहो विचार रखलनि। दोसर दिस शारदानन्द झाक अध्यक्षतामे आदमपुर घाट लग परिषदक अनुमण्डलीस्तरीय बैसार शारदा नन्द मिश्रक अध्यक्षतामे भेल। डॉ. ठाकुर जानकारी देलनि जे भागलपुरमे डॉ. मिहर मोहन सुमनकेँ परिषदक अध्यक्ष आ बिनोद ठाकुरकेँ सचिव बनाओल गेल अछि। सुल्तानगञ्जक संयोजक सञ्जय कुमार झाकेँ बनाओल गेल अछि। ओ कहलनि जे संस्था दिससँ फरवरी मासमे चारि ठाम चारि दिनक प्रशिक्षण शिविर लगाओल जाएत।

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें