Blogger templates

मंगलवार, 11 फ़रवरी 2014

मिथिलामे हो फिल्म सिटीक निर्माण : भीसी

मिथिलामे हो फिल्म सिटीक निर्माण : भीसी


- लाञ्च भेल ‘घोघमे चान्द’ केर आडियो-वीडियो प्रोमो
- एही मास 14 केँ होयत प्रदर्शित


दरभंगा, 11 फरवरी (मिआसं)। मैथिली फिल्म उद्योगक विकास लेल राज्य सरकार द्वारा फिल्म सिटीक निर्माण कराओल जेबाक चाही। जहिना राज्य सरकार अन्य क्षेत्रीय भाषाक सिनेमाकेँ अपना दिससँ सहयोग दैत अछि तहिना मैथिलीकेँ सेहो भेटबाक चाही। ई बात कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालयक कुलपति डा. देव नारायण झा कहलनि। ओ मंगलकेँ उदय राज निर्देशित आ सह निर्माता पंकज प्रसून जोशी द्वारा निर्मित मैथिली फिल्म ‘घोघमे चान्द’ केर आडियो कैसेट आ वीडियो प्रोमो लांचिंग समारोहमे मुख्य अतिथिक पदसँ बाजि रहल छला। कुलपति डा. झा कहलनि जे जनक नन्दिनी जानकीक जन्मस्थली अदौसँ अपन सभ्यता-संस्कृति लेल जानल-चीन्हल जाइत अछि। वर्त्तमान समयमे एकर प्रचार-प्रसार करबा लेल मैथिली सिनेमा एक गोट सशक्त माध्यम बनि सकैत अछि। एहि लेल बेसीसँ बेसी संख्यामे लोक सभकेँ मैथिली सिनेमा देखबा लेल हॉल धरि जेबाक चाही। संगे कलाकार लोकनिकेँ प्रोत्साहित करबाक चाही। कार्यक्रमक अध्यक्षता करैत मैथिली फिल्म ‘सस्ता जिनगी महग सेनुर’ केर निर्माता बालकृ ष्ण झा कहलनि जे पहिने केर अपेक्षा बेसी संख्यामे मैथिली सिनेमाक निर्माण कयल जा रहल अछि, मुदा एहि उद्योगक स्थिति ताबत नञि सुधरत जाबत एकरा अपना दर्शक दिससँ सिनेह नञि भेटत। कोनो सिनेमाक टीम लेल पाइसँ बेसी ओकरा द्वारा कयल गेल अभिनयकेँ सराहब महत्वपूर्ण होइत अछि। मैथिली फिल्म अकादमीक संयोजक शशिमोहन भारद्वाज राज्य सरकारसँ माङ केलनि जे मैथिली फिल्म उद्योगकेँ जिया कऽ रखबा लेल मैथिली फिल्मकेँ सेहो अनुदान देल जाय। एहि अवसरपर जनतब देल गेल जे 14 फरवरीकेँ एहि फिल्मक प्रदर्शन होयत।  
एहि अवसरपर उपस्थित सभ गोटे समवेत भऽ एक स्वरसँ मैथिली सिनेमाक विकास लेल आ मिथिलामे बेसीसँ बेसी फिल्म निर्माणक लेल प्रतिबद्धता व्यक्त केलनि। कार्यक्रममे विनोद पंसारी, राजेश झा, श्याम झा सहित अन्य लोक सेहो विचार रखलनि। पंकज प्रसून केर सञ्चालनमे भेल एहि कार्यक्रममे डा. एचके दास, श्याम भास्कर, सज्जाद, श्याम भूषण, राजेश झा, हेमेन्द्र लाभ सहित सिनेमाक अभिनेता आ अभिनेत्री उपस्थित छली। 

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें