Blogger templates

मंगलवार, 21 मई 2013

आस्था

विहनि कथा-23
आस्था

- यौ डाक्टर बाबू ।एकटा बात जानलियै ।
- की?
-इएह विआहक 20 साल बाद सोनी दाइकें बौआ भेलै हें ।
-हे मजाख जुनि करू ।जकरापर मेडिकल विज्ञान लाल कलम चला देलकै ।ओकरा बच्चा केना भऽ सकैछ ।
-भऽ सकै नै, भऽ गेलै ।सोनी दाइ एहन पुजेगरी देखलियै अहाँ कतौ ?
- नै ।
- तखन ।एकटा बात तँ मानिये लियौ जे डाक्टर आ मेडिकलसँ बढ़ि कऽ छै भगवानक विधान ।
- हँ यै ।ठीके कहै छी ।आब तँ हमरो विज्ञानसँ बेसी भगवानपर आस्था भऽ गेल ।
www.navanshu.blogspot.com
अमित मिश्र

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें