Blogger templates

सोमवार, 4 फ़रवरी 2013

निराश केलक पहिल दरभंगा फिल्म फेस्टिवल


  निराश केलक पहिल दरभंगा फिल्म फेस्टिवल

मिथिलाक सांस्कृतिक राजधानी दरभंगामे आयोजित पहिल दरभंगा फिल्म फेस्टिवलक आयोजन आइ समपन्न भेल। एहिमे हिन्दी, अंगे्रजी आ मैथिलीक कुल 5-6 गोट छोट-छोट सिनेमाक प्रदर्शन कएल गेल। ओना ई आयोजन मैथिली फिल्मक 50 म बरख पुरा हेबाक अवसरपर कएल गेल छल, मुदा एहिमे मैथिलीक कोनो फिल्मक प्रदर्शन नञि कएल गेल। एचआइभी एड्सपर जागरुक करऽ वला फिल्म कमलाक देख मैथिली फिल्म प्रेमी लोकनिकेँ सन्तोष करऽ पड़लनि। ओना एहि दू दिवसीय कार्यक्रममे किछु नीक विषयपर डाक्यूमेण्टरी फिल्म देखबाक अवसर अवश्य भेटल दर्शक लोकनिकेँ।

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें