Blogger templates

रविवार, 13 जनवरी 2013

pakdal gel tiger mobile ker hatyaara

  रोसड़ामे 21 दिसम्बरक साँझमे अपराधी सभ पुलिसक टाइगर जवान गंगेशक हत्या कऽ देलक। घटनास्थलसँ पुलिसकेँ खूनक छाप आ अपराधी सभक मोबाइल भेटल। मोबाइल लोकेशनक आधारपर महाराष्टÑक कल्याणसँ चारिटा अपराधीकेँ महाराष्टÑक एटीएस अधिकारी धेलनि। पकड़ल गेल आरोपीसँ पूछताछक बाद एटीएस  दुटा आर व्यक्तिकेँ गिरफ्तार कऽ पूछताछ कऽ रहल अछि। डीआइजी सुधांशु कुमार प्रेस कान्फ्रेंसमे कहलनि जे पकड़ल गेल चारुटा अपराधी पूछताछक बाद टाइगर जवानक हत्याक बात स्वीकारलक। ओना हिनका लगसँ कोनो हथियार नञि भेटल। डीआइजी कहलनि जे सिपाहीक हत्यामे देवा पञ्जियारक हाथ अछि। एकर कारणमे पिस्टल छीनबाक बात सोझाँ आबि रहल अछि। ओना देवा पुलिसक सोझाँ ईहो कहलनि जे सुरेश पासवान जुआक कारोबार करैत छला। एकर बदलामे ओ तीन सय टाका रोज टाइगरक जवानकेँ दैत छल। हत्याक दिन पिस्टल छीनबाक बातकेँ लऽ देबा बाइकपर बैस अपन सहयोगी नवनीत सिह ‘सिंटु’, अमरजीत, रोशन पञ्जीयार, राजाराम पासवान, अमीत झा केँ बजा टाइगर जवानक पिस्टल ओकरेसँ छीन गोली दागि देलक। एकर बाद सभटा अपराधी नदी पार कऽ बेगुसराय पहुँचल आ अपन संगीक घरमे  हथियार छुपा कऽ पटनासँ ट्रेन पकड़ि महाराष्टÑक सिरडी पहुँचल। पुलिस मोबाइल लोकेशनक आधारपर आ एटीएसक सहयोगसँ चारिटा अपराधीकेँ  पकड़लनिआ पूछताझ केलनि। एहि क्रममे महाराष्टÑक दूटा अन्य व्यक्तिकेँ सेहो पूछताझ चलि रहल अछि जे हुनका पनाह देने छला। ओना घटनाक्रममे सम्मिलित तीनटा अन्य आरोपी पुलिसक गिरफ्तमे फरार छथि। एकरा लेल लगातार छापामारी कएल जा रहल अछि। डीआइजीक कहब अछि जे गंगेशक पिस्टलक खोजमे छापामारी कएल जा रहल अछि। नवनीतक खूनक नूमना लऽ जाँचक प्रक्रिया चलि रहल अछि। धराएल गेल सभटा आरोपीकेँ पूछताझक बाद जहल भेज देल जाएत।

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें