Blogger templates

रविवार, 13 जनवरी 2013

बच्चा बदलबाक बातकेँ लऽ अस्पतालमे भेल हो हल्ला


  जनकपुर अञ्चल अस्पतालमे बच्चा बदलबाक विषयकेँ  लऽ हो हल्ला मचल अछि।
आइ भोरमे जनमल दुटा नवजात शिशु (एकटा बेटा आ एकटा बेटी)केँ लऽ दुटा अभिभावक बीचमे बच्चा बदलवाक बातकेँ लऽ हो हल्ला मचि गेल। जाहिमे अन्तत: अस्पताल प्रशासन ई निर्णय लेलक जे दुनू बच्चाक सही अभिभावक केर पहचान लेल दुनू पक्षक डीएनए टेस्ट करेबा लेल काठमाण्डू पठाओल गेल।
धनुषा जिलाक खरिहानी पाँचक मनोज साह अपन घरवालीकेँ लऽ टायर गाड़ीपर लऽ प्रसुति लेल अञ्चल अस्पताल आनैत काल रस्तेमे बच्चाक जन्म भेल छल। जन्मक पश्चात इलाज लेल अञ्चल अस्पतालमे भर्ती केला बाद शल्य क्रिया लेल लऽ गेल समयमे महोत्तरी लक्ष्मीनियाँ पाँचक रेणु देवी महतो सेहो बच्चाकेँ जन्म देने छली।
अस्पताल प्रशासनक अनुसार धनुषाक खरिहानी निवासी संगिताक कोखिसँ  बेटीक जन्म भेल आ महोत्तरीक लक्ष्मीनिया पाँचक रेणु देवीक कोखिसँ बेटाक जन्म भेल कहला बाद साह पक्षक लोक हो हल्ला करऽ लगला। साह पक्षक विवादक कारण बात बढ़ैत चलि गेल आ अन्तमे अस्पताल प्रशासन हस्तक्षेप कऽ माय बच्चा संगे दुनू पक्षक चारि चारि गोटे आ संगे एकटा पुलिसकेँ  डीएनए परीक्षण लेल माठमाण्डू भेजल गेल।
खरिहानी संगिता साह बेटा भेल कहिकेँ दावा कऽ रहल अछि।
अस्पताल प्रशासन विवादक समाधान लेल प्रहरी सहित दुनू पक्षकेँ डीएनए परीक्षण लेल सेनानाष्टको विधि विज्ञान प्रयोगशालामे पठौलक। एकर सूचना जिला प्रहरी कार्यालय धनुषासँ प्राप्त भेल।
ओम्हर दुनू पक्षसँ हस्ताक्षर करा कागज बनाओल गेल जाहिमे लिखल अछि जे जिनक दावा गलत सिद्ध होएत हुनका दुनु पक्षक खर्चा बहन करऽ पड़त। एहि तरहक विवाद जनकपुर अञ्चलमे सम्भवत: पहिल बेर भेल अछि।

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें