Blogger templates

शुक्रवार, 4 जनवरी 2013

lalit narayan mishra ker jivan parichay

 जन्म 02 फरवरी (1922 मृत्यु 03 जनवरी 1978)  सुपौल जिलाक बसाबनपट्टीक मिश्र परिवारमे 02 फरवरी 1922 (वसन्त पञ्चमी) केर दिन अपन नानी गाम कुॅवर बाजितपुरमे भेल छलनि। कोसीक प्रलयसँ त्रस्त मिश्रक परिवारक पुर्वज बलुआ आबि बसिगेल रहथि। बाल्यावस्थेसँ मेधावी रहल स्व. मिश्र युवावस्थामे भारतक स्वतंत्रता आन्दोलनक बाट पकड़ि अपन एकटा नव राजनिनीतिक बाट बनौलनि। क्षेत्रमे पसरि रहल हुनक लोकप्रियता हुनका जमाहिर लाल आ इन्दिरा गान्धीक विश्वासी बना देलकनि। 1952 मे भेल दरभंगा आ सहरसाक संयुक्त लोकसभासँ पहिल बेर चुनाव जीति ओ संसद पहुँचला। बिहारक ई कोसी पुत्र संसदमे पहुँचि कोसी बाबूक नामसँ सेहो नीक ख्याति पओलनि। कोसीक दर्दक भोगि चुकल स्व. मिश्र 1954 मे जबाहिर लाल आ नेपालक तत्कालिन महाराज महेन्द्रकेँ एहिठाम आनि कोसी महासेतुक शिलान्यास रखलनि। हुनक पिताक आश छलनि जे जँ हमर बेटा होएत तँ ‘कोसी क्षेत्रमे रेल चलाओत’। एहि सपनाकेँ ओ 1973मे रेल मंत्री बनि पूरा केलनि। फारविसगञ्ज, लौकहा, लौकही, झञ्झारपुर सहित 36 नव रेल परियोजना बना ओ देशक नव विकासक बाट खोललनि। 1938 मे शुरु भेल हुनक छात्र कांग्रेसक काजसँ 1974धरि कएल गेल रेलक काजसँ देशक उपेक्षित, सर्वहारा आ शिक्षित वर्ग हुनका देशक भावी प्रधानमंत्राीक रूपमे देखऽ लागल। दरभंगाक मिथिला विश्वविद्यालय, संस्कृत विश्वविद्यालय, दरभंगा आ कोसी प्रमण्डलक स्थानपा, कोसी बराज, पुर्वी आ पश्चिमी नहरिक निर्माण, कोसी तटबन्ध, कटैया जल विद्युत गृह, पुर्णिञा आ दरभंगाक हवाइ अड्डाक निर्माण, अशोक पेपर मिल, मधुबनीक चित्रकला, रेलक कारखाना आ कोसीक विभिषिकामे ध्वस्त भेल रेल परियोजनाक पुनर्स्थापना आइयो चिकरि-चिकरि कऽ अपन एहि सपुतक नाम अमर कऽ रहल अछि। मिथिलाक एहन सपुतकेँ राजनीतिक कुटिचालिमे परांगत किछु लोक समस्तीपुरमे 2 जनवरी 1978मे बम फेकि घायल कऽ देलक। 3 जनवरीकेँ ओ हमरा सभकेँ छोड़ि महाप्रयाणक बाट पकड़लनि। हुनक बाजल अन्तिम बात ‘हम रही बा नञि रही, बिहार बढ़िये कऽ रहत’ आइयो लोकक आँखिकेँ पनिया दैत अछि। कोसीक एहि पुत्रकेँ शत-शत नमण्।   सीतामढ़ीमे सेहो स्मरण कएल गेला ललित बाबू  सीतामढ़ी : जिला कांग्रेस कार्यालय ललित सीतामढ़ीमे कांग्रेस जिलाध्यक्ष विमल शुक्लाक अध्यक्षतामे पूर्व केन्द्रीय मंत्री सह कांग्रेसक वरिष्ठ नेता स्व. ललित नारायण मिश्रक पुण्य दिवसकेँ बलिदान दिवसक रूपमे मनाओल गेल। जिलाध्यक्ष श्री शुक्ला आ उपस्थित कांग्रेस कार्यकर्ता ललित आश्रम स्थित स्व. ललित बाबूक प्रतिमापर माल्यापर्ण  केलनि।  ओतहि अपना सम्बोधनमे श्री शुक्ला कहलनि जे ललित बाबू अपना बहुमुल्य योगदानक लेल सभदिन मोन राखल जएता। बिहारकेँ विकसित राज्य बनेबा लेल ओ कतेको परियोजनाकेँ मञ्जूरी दिऔलनि। रेल मंत्रीक रूपमे ओ जमा 36 गोट परियोजनाकेँ मञ्जूर केलनि। एहि आयोजनक अवसरपर उपाध्यक्ष सीताराम झा, डा. भुवनेश्वरी मिश्र, सत्येन्द्र तिवारी, शिवशंकर शर्मा,मो.परवेज आलम, वीरेन्द्र कुशवाहा, रामवली महतो, मो. अशद, रन्धीर प्रसाद सिंह, राम बाबू सिंह, सुरेश प्रसाद सिंह, सीमा गुप्ता, तेजनारायण राम आदि कतेको गणमान्य लोकनि उपस्थित रहला।

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें