Blogger templates

शुक्रवार, 11 जनवरी 2013

मिथिला कला केन्द्र क होएत स्थापना


   मिथिला कला केन्द्र क  होएत स्थापना

मिथिलाक गाम घर : कासिदसंविवि परिसरमे मिथिला कला केन्द्रक स्थापना कएल जाएत। संगे अन्य कतेको परियोजना सभक शुभारम्भ सेहो कएल जाएत। एहि लेल यूजीसीसँ अनुदानक आधा राशि प्राप्त भऽ चुकल अछि। वृहस्पितिकेँ कुलपति एहि योजना सभकेँ क्रियान्वित करबा लेल विश्वविद्यालयमे खाली पड़ल भूखण्डक निरीक्षण केलनि। विवि मुख्यालय परिसरमे ई-लंर्निग भवनक स्थापना सेहो कएल जाएत। एहिसँ विश्व भरिमे शैक्षणिक योजनासँ सम्बनिधत विशेष जानकारी छात्र लोकनि आ शिक्षक लोकनिकेँ सहज प्राप्त भऽ जेतनि। ओ लोकनि विशेष पाठयक्रमक लाभ एहि माध्यमे सेहो प्राप्त कऽ सकता। ओमहर आॅन लाइन आवेदन आ परीक्षाक सुविधा सेहो छात्र लोकनिकेँ भेटतनि। 33 लाख 61 हजार टाकाक मदतिसं बनऽ वला एहि भवन लेल स्थानक चयन कऽ लेल गेल अछि। विवि परिसरमे महिला लोकनिक लेल केन्द्रकेँ  स्थापना करबाक योजना सेहो अछि। विवि केर छात्रा, शिक्षिका, महिला पदाधिकारि लोकनिक संग कर्मी लोकनि सेहो अत्याधुनिक सुविधासँ सम्पन्न एहि भवनक उपयोग कऽ सकता। एहि लेल यूजीसीसँ 50 लाखक राशि स्वीकृत कएल गेल अछि। दोसर दिस 60 लाखक लागतिसँ महिला छात्रावासक निर्माण कएल जाएत। एकर अतिरिक्त 50 लाखक प्राक्कलित राशिसँ अतिथि गृह आ बैंक भवनक निर्माण करबाक योजना सेहो तय कएल जा रहल अछि। कुलपति डा. अरविंद कुमार पाण्डेय जानकारी देलनि जे राष्ट्रीय स्तरपर देशक ई पहिल विश्वविद्यालय होएत जतऽ मिथिला पेंटिंग लेल फराक विभागक स्थापना कएल जाएत। ओमहर ई-लर्निगक माध्यमे दूर-दराजमे अवस्थित महाविद्यालय सभ सीधे विवि केर सम्पर्कमे रहत। शैक्षणिक सुधार आ विकास अभियानक अन्तर्गत कार्यक्रमक कार्यान्वयनक गति तेज कएल जाएत।

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें