Blogger templates

शनिवार, 12 जनवरी 2013

baristh sahitykaar mahaprakash ken dcotor kelak delhi reffer

  मैथिलीक वरिष्ठ आ सुप्रसिद्ध कवि कथाकार महाप्रकाश एखन पटनाक एकटा निजी अस्पतालमे जीवन-मृत्युसँ संघर्ष कऽ रहल छथि। जानकारीक अनुसार पटनाक एहि अस्पतालसँ इलाजक लेल हुनका दिल्ली रेफर कऽ देल गेलनि अछि। स्थिति बड्ड नाजुक छनि। हुनक आर्थिक स्थिति एहन नञि छनि जे एहि हालतिमे हुनका दिल्ली लऽ गेल जाइन। साहित्यकार लोकनि हुनक दीर्घ जीवनक कामना करैत राज्य सरकारसँ आग्रह आ अनुरोध केलनि अछि जे महाप्रकाशक सम्पूर्ण चिकित्साक भार ओ उठावय आ अविलम्ब दिल्ली लऽ जाय समुचित चिकित्साक व्योंत करय। सम्पूर्ण मिथिलावासीक सङ डॉ.भीमनाथ झा, विभूति आनन्द, ज्योत्सना चन्द्रम, अशोक मेहता, फूलचन्द्र झा प्रवीण, हरिश्चन्द्र हरित आ अयोध्या नाथ झा सहित सभ साहित्यकार लोकनि हुनक शीघ्र स्वस्थ हेबाक कामना केलनि अछि।

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें