Blogger templates

बुधवार, 2 जनवरी 2013

मिथिला राज्य लेल होउ एकजुट


 
-कुशेश्वरमे भेल जन जागरण सभा
- बहेड़ीमे 9 केँ धरनाक घोषणा

बिरौल (दरभंगा), 1 जनवरी । अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति आंग्ल नव बरखक प्रारम्भ कुशेश्वरस्थानक खगड़िया धर्मशालामे आइ पृथक मिथिला राज्यक गठन लेल जनजागरण सभाक आयोजनसँ केलक।  संस्थाक अध्यक्ष डॉ. बैजनाथ चौधरी बैजू केर अध्यक्षतामे भेल सभामे वक्ता लोकनि एक स्वरसँ मिथिला राज्यक समर्थन करैत एकजुट भऽ संघर्षक आह्वान सम्पूर्ण मिथिलावासीसँ केलनि। सभाध्यक्ष डॉ. बैजू रौदी-दाही, बिजलीक समस्या, गुणवत्तापूर्ण शिक्षाक अभाव, उद्योगक अकाल आदि समस्याक एकमात्र निदान पृथक मिथिला राज्यक गठनकेँ मानलनि। ओ एहि लेल संघर्षकेँ आरो धारदार बनेबापर जोर देलनि। संगहिँ घोषणा केलनि जे 9 फरवरीकेँ बहेड़ी प्रखण्ड मुख्यालयपर पृथक राज्यक माङकेँ लऽ धरना देल जाएत। ओ सभामे भारी संख्यामे जुटबाक आह्वान समस्त मिथिलावासीसँ केलनि।
एहि अवसरपर जीवकान्त मिश्र, विजयकान्त झा, विष्णुदेव झा विकल, डा. जयप्रकाश चौधरी ‘जनक’, चन्दे्रश, ओम प्रकाश सिंह, चौधरी बैद्यनाथ राय, बाबूकान्त चौधरी, जयप्रकाश पासवान, चन्द्रशेखर झा आदि सेहो अपन विचार रखलनि। वक्ता लोकनि कहलनि जे उत्तराखण्ड, झारखण्ड आ छत्तीसगढ़ जहियासँ राज्य बनल ओहि ठाम विकासक बसात बहऽ लागल। तहिना पृथक मिथिला राज्यक गठनेसँ एतऽ सेहो विकास होएत। मिथिलामे प्रतिभाक  कमी नञि अछि। मात्र अवसर देबाक आवश्यकता अछि। एहि ठामक सांस्कृति विश्व भरिमे प्रसिद्ध अछि। एकरा कोनो हालतिमे बचा कऽ रखल जेबाक चाही। एहि ठाम जल संसाधनक कोनो कमी नञि अछि। कोसी, कमला, बलान, करेह, बागमती आदि नदीकेँ एहि ठामक जन-जीवनसँ जोड़बाक प्रयास सरकार दिससँ कहियो नञि भेल। बाढ़ि अबैत रहल आ एही कारणेँ गरीबी बढ़ैत चलि गेल। आब समय आबि गेल अछि जे एकजुट भऽ पृथक मिथिला राज्यक ले केन्द्र सरकारपर दबाब बनाबी। एहि अवसरपर दीपक कुमार झा, अरविन्द कुमार झा, कृष्ण कुमार कन्हैया आदि उपस्थित छला।  

1 comments:

  1. अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति nam मिथिला राज्य संघर्ष समिति me अखिल भारतीय jodi kay chori kayal gel achhi.
    मिथिला राज्य संघर्ष समिति 1994 s karyrat rahal- Hamara dwara 20.9.1992k Ranchi exoress me Mithila Rajy lel lekh likhlak baad, banawal gel dr jaykant Mishra 20.11.1994 k sahmat bhelah- hunk sang Saharas-Purnea- Bhagalpur pramandal ghumlahun-patna gelhu- 1996 me 8.1 k vidhivat adhyaksh Bhalah- hunk baad Chunchun Mishra aa aab Dr.Satynarayan Mahto adhyksh chhahti MRSS ke.
    Baijujee 2003m3 ee nam choree kelah aa ekhanhu many lel taiyar nhi chhathi..ee dukhad baat achhi tahinaa Antarrashtriy amithilki sammelan 2003 tak 12 AMP dwaraa bhel takahn nam choree kay lelah- ham sab 25m kay chukal chhi(takneekee karn s beech me ek radd seho kene chhi Agrake)..aa ehi ber Deogharme o kelah Mithila Rajyk charcha nhi bhel- Guwahatime sehjo Ashwini Choubey k samne Mithila rajyk charcha nhi bhel..Jakhan ki AMP har tham Mithila Rajyk baat jor s karait acchi..Khojee patrkar pata lagabathi kiyaik?

    जवाब देंहटाएं