Blogger templates

बुधवार, 2 जनवरी 2013

मधुबनीक चकदहमे पाँच गोटेक मृत्यु


  मधुबनीक चकदहमे पाँच गोटेक मृत्यु

-मृत्युक कारण विषाक्त दारू नञि : डीएम
-आक्रोशित भीड़ फुकलक आधा दर्जन दोकान

मधुबनी, 1 जनवरी । आंग्ल नव वर्षक आगमनमे उत्साहित मधुबनी मंगलकेँ एकाएक शोकाकुल भऽ उठल जखन जिला मुख्यालयक पाँजरमे सटल चकदहमे पाँच गोटे अशोक झा (55), परमेश्वर दास (56), रामदेव दास (64), सुुवंश राम (75) आ सतीश कुमार (60) केर मृत्यु भऽ गेल आ कन्नारोहटिमे सम्पूर्ण वातावरण डूबि गेल। पाँचो गोटेक मृत्युक कारण जतऽ स्थानीय लोक विषाक्त दारू पीयब मानि रहल छथि ओतहि प्रशासन एकरा साफ नकारि देलक अछि। ओमहर घटनासँ आक्रोशित मुख्यालयक 12 नम्बर रेलवेट गुमटीक समीप बसल चकदह केर उग्र ग्रामीण लोकनि शराब बेचबाक आरोप लगबैत एहन आधा दर्जन दोकान फूकि देलनि। आगि मिझेबा लेल पहुँचल फायर बिग्रेडक गाड़ीकेँ आक्रोशित लोक सभ घटनास्थल धरि नञि जाए देलनि। घटनाकेँ लऽ भितरे-भीतर रोष अछि, ओना स्थिति नियंत्रणमे छल। प्रशासन सतर्क अछि।
स्थानीय लोकक अनुसार पाँचो मृतक सोमक राति खूब दारू पीलनि। अधरतियामे जा कऽ सभक हालति खराब होमऽ लगलनि आ बेरा-बेरी सभ दम तोड़ि देलनि। ग्रामीणक आरोप छनि जे एहिठाम कटघरा सभमे अवैध शराबक बिक्री राति-दिन होइत अछि। ग्रामीण सभक मानब छनि जे पाँचो विषाक्त दारू पीबासँ मरि गेला। खबरि जेना-जेना पसरि रहल छल भीड़ जमा होइत जा रहल छल आ स्थानीय लोकक रोष बढ़ि रहल छल। एही बीच आक्रोशित लोक लगपासक एहन दोकान सभमे आगि लगा देलनि जाहिमे दारू बिकेबाक आरोप अछि। एहि बीच प्रशासन ओ उत्पाद विभागक टीम सेहो घटनास्थलपर दौड़भाग करैत रहल। मृतकमेसँ दू गोटे दाह संस्कार पोस्टमार्टम करेने बिनु कऽ देल गेल। मृतक केर परिजनो द्वारा समाचार लिखबा धरि प्राथमिकी अंकित नञि करौल गेल छल। परिजन मृत्युक कारण विषाक्त दारू मानबा लेल सेहो तैयार नञि छला।
  एमहर डीएम लोकेश कुमार सिंह प्रेस वार्ता कऽ स्पष्ट कहलनि जे चकदहमे भेल पाँचो गोटेक मृत्यु विषाक्त दारू पीबा सँ नञि भेलनि अछि। मृतक सभ आन-आन कारणसँ मुइला अछि। डीएम कहलनि जे ई संयोग मात्र थिक जे एकहि बस्तीमे पाँच गोटेक मृत्यु भऽ गेलनि। डीएम कहलनि जे सूचना भेटिते पदाधिकारी सभकेँ घटनास्थलपर पठा देल गेल। पदाधिकारीगण कहलनि जे सब मृतक पहिने सँ दुखित छला आ हुनक ठाम-ठाम इलाज चलि रहल छलनि। ओमहर जिला उत्पाद अधीक्षक कृष्ण कुमार कहलनि जे चकदहकेर घटनाक कारण विषाक्त दारू नहि थिक। मृतक अशोक झा दस वर्ष सँ दुखित छला आ परमेश्वर दासोक इलाज चलि रहल छलनि। एकटा मृतक डाक विभागसँ सेवनिवृत 75 वर्षीय बूढ़ छला। घटनामे विषाक्त शराबक कोनो लक्षण नञि अछि।

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें