Blogger templates

सोमवार, 24 दिसंबर 2012

हृदयमे लहराइत रहए राष्टÑध्वज : डॉ. कलाम - नञि रूकि सकैत अछि राज्यक विकास : नीतीश


  हृदयमे लहराइत रहए राष्टÑध्वज : डॉ. कलाम

- नञि रूकि सकैत अछि राज्यक विकास : नीतीश

दरभंगा, 24 दिसम्बर । पूर्व राष्टÑपति मिसाइल मैन डॉ. एपीजे अब्दुल कलाम कहलनि जे एहि ठामक नेना सभ बहुत प्रतिभावान छथि। हिनका सभमे ज्ञानक प्रति ललक छनि। ई सभ राष्टÑीय स्तरक वैज्ञानिक बनि सकै छथि। ओ सोमकेँ लहेरियासराय स्थित पोलो मैदानमे तीन दिवसीय मेगा साइंस शिविरक उद्घाटनक समारोहमे बाजि रहल छला। अपन दरभंगा यात्राक दोसर दिन ओ कहलनि जे बिहारमे शान्तिक संग आधारभूत विकास भऽ रहल अछि। नव तकनीकी आ विज्ञानक विकास हेबाक चाही। विज्ञान आ शिक्षेसँ बिहार पूर्ण विकसित होएत। ओ उपस्थित छात्र-छात्रा लोकनिक आह्वान केलनि जे ओ विज्ञानकेँ अपन लक्ष्य बनाबथि। ओ सन्देश देलनि जे सदिखन स्मरण राखू जे अहाँक हृदयमे राष्ट्र ध्वज लहराइत रहए। ओ मुख्यमंत्री नीतीश कुमारसँ आग्रह केलनि जे विज्ञानक विकास लेल प्रयास करथु। ओ कहलनि जे नव तकनीकी आ विज्ञानसँ राज्यक आर्थिक विकास होएत। पूर्व राष्टÑपति  डॉ. कलाम आ मुख्यमंत्री श्री  कुमार दीप प्रज्वलित कऽ आ फीता काटि कऽ मेगा विज्ञान शिविरक उद्घाटन केलनि। मुख्यमंत्री श्री कुमार कहलनि जे बिहारसँ डा. कलामक लगाव बहुत बेसी छनि। एहिसँ पहिने सेहो ओ राज्यमे राष्टÑपतिक रूपमे आ बादोमे अबैत रहला अछि। डा. कलामक मार्गदर्शनसँ एहि ठामक युवा लोकनिकेँ आगू बढ़बामे मदति भेटतनि। डॉ. कलामक आगमनसँ राज्यमे वैज्ञानिक चेतनाक विकास होएबाक चर्च करैत ओ एहि कहलनि जे शिक्षक लोकनि मनोरञ्जक ढंगसँ छात्र-छात्राकेँ विज्ञान पढ़ाबथु जाहिसँ एहि दिशामे हुनक रुचि हो। सीएम कहलनि जे बिहारक भविष्य उज्ज्वल अछि। एहि ठाम विकासक इच्छा जागि गेल अछि। ई ज्ञानक केन्द्र अवश्य बनत। आब राज्यक विकासकेँ क्यौ नञि रोकि सकै अछि। एहि अवसरपर पूर्व राष्टÑपति डा. कलाम आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमारकेँ पाग, माला आ चादरिसँ डा. प्रभात झा फाउणडेशन द्वारा सम्मानित कएल गेलनि।  स्वागत भाषण डा. रामजी राघवन केलनि। वैज्ञानिक डा. मानस बिहारी वर्माक आभारसँ सम्पन्न कार्यक्रममे प्रसिद्ध हृदय रोग विशेषज्ञ डॉ. गणपति मिश्र बिहार आ मिथिलाक विभिन्न आयमपर प्रकाश देलनि। कार्यक्रमक सञ्चालन डॉ. टुनटुन झा अचल केलनि।

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें