Blogger templates

सोमवार, 24 दिसंबर 2012

कलामक एक झलक पेबा लेल सभ उताहुल


  कलामक एक झलक पेबा लेल सभ उताहुल

 राष्टÑक समग्र विकास लेल अपनाकेँ समर्पित कऽ देनिहार एवं पोखरण परमाणु विस्फोटक माध्यमसँ देशक एक-एक व्यक्तिकेँ आत्मगौरवसँ भरि देनिहार प्रख्यात वैज्ञानिक एवं पूर्व राष्ट्रपति एपीजे अब्दुल कलामक एक झलक पेबा लेल लोक सभ उताहुल रहला। पटनासँ दरभंगा धरिक यात्रामे एहन कोनो इलाका नञि रहल जाहि ठाम सड़कक कातमे लोक एहि महामानवक दर्शन लेल जमा नञि रहल होथि। कतेको ठाम लोक उत्साहसँ हाथ हिला हुनक अभिनन्दन केलनि तँ कतेको ठाम हुनक वाहनक लग अबिते जोरसँ हुनका समर्थनमे नारा लगौलनि। दरभंगा शहरमे प्रवेश करिते जेना हूलिमालि मचि गेल। जखन ओ आयोजन स्थल दरभंगाक मेडिकल कालेज पहुँचला तँ करतल ध्वनिक संग हुनक स्वागत भेल। प्राचार्य डा. एस एन सिन्हा अपन छात्र आ नगरक बुद्धिजीवी लोकनिक संग हुनकर अभिनन्दन केलनि। आडिटोरियममे प्रवेश करिते सम्पूर्ण वातावरण शिक्षामय भऽ गेल। दोसर दिस समस्तीपुरक पनसलवा चौकपर सेहो डा. कलामक भव्य स्वागत कएल गेल। दरभंगा जेबाक क्रममे सदर एसडीओ सुधीर कु मार, बीडीओ रामधन पासवान, डीएसपी पंकज कुमार, थानाध्यक्ष, सदर डीएसपी सहित कतेको अधिकारी उपस्थित छला। दरभंगामे सेहो प्रशासन तत्पर रहल। डीएमसी आडिटोरियम केर बाहर दू गोट प्रोजेक्टर लगा ओहि सभ छात्रकेँ सहभागी होएबाक व्यवस्था कएल गेल छल जिनका भीतर जगह नञि भेटि सकलनि।

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें