Blogger templates

बुधवार, 26 दिसंबर 2012

अटल बिहारी वाजपेयीसँ उऋण नञि होएत मिथिला


  अटल बिहारी वाजपेयीसँ उऋण नञि होएत मिथिला

दरभंगा, 25 दिसम्बर । पूर्व प्रधानमंत्री आ वरिष्ठ साहित्यकार अटल बिहारी वाजपेयीक जन्मदिन ठाम-ठाम होर्षोलाससँ मनाओल गेल। लहेरियासरायक कमला नेहरू पुस्तकालयमे भाजपाक जिलाध्यक्ष रञ्जनाथ ठाकुरक अध्यक्षतमे कार्यक्रमक आयोजन कएल गेल। बिहार सरकारक पशुपालन आ सहकारिता मंत्री दीप जरा कऽ केलनि। ओ कहलनि जे केन्द्रमे भजपाक सरकार बनलासँ सम्पूर्ण देशक मार्गकेँ एक दोसरसँ जोड़ल जाएत। प्रमुख नदीकेँ जोड़बाक काज सेहो कएल जाएत। ओ कहलनि जे पूर्व पीएम श्री वाजपेयीक समय देशपर कतेको प्रतिबन्ध लगाओल गेल छल, मुदा तहियो विकास दरमे कमी नञि आएल। ओ नरेन्द्र मोदीक चर्च करैत कहलनि जे देश हुनकासँ बड़ आश लगौने अछि। संगे ओ ईहो कहलनि जे राज्य सरकारक मानब अछि जे बिनु मिथिलाक विकास भेने प्रदेशक विकास सम्भव नञि अछि। एहि अवसरपर नगर विधायक सञ्जय सरावगी सम्बोधित करैत कहलनि जे श्री वाजपेयीक कारणेँ आइ मैथिलीकेँ अष्टम सूचीमे स्थान भेटल। मिथिला वासी हुनकासँ कहियो उऋण नञि भऽ सकै छथि। एहिसँ पहिने मंत्रीजीक स्वागत पाग, माला आ चादरसँ कएल गेल। एहि अवसरपर 52 गोट दलित-महादलित परिवारक बीच कम्मलक वितरण सेहो भेल।

बेनीपुर: विधायक गोपालजी ठाकुर अटल बिहारी वाजपेयीक चर्च करैत कहलनि जे हुनका शासन कालमे देशक चहुमुखी विकास भेल। कोशी महासेतुक निर्माण करा ओ दू भागमे बटल मिथिलाक जोड़ी देलनि।

बिरौल : पार्टी कार्यालयपर भाजपा मण्डल अध्यक्षक नेतृत्वमे सभाक आयोजन कएल गेल। जिला मंत्री रामविलास भारती आ जिलाध्यक्ष राजकुमार अग्रवाल पूर्व प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयीक पदचिह्नपर चलबाक आह्वन कार्यकर्त्ता लोकनिसँ कलेनि। एहि सभामे राम कुमार मिश्र, सीता राम झा, विश्वनाथ मण्डल, अनिल झा आदि लोकनि उपस्थित छला।

मधुबनी : जिला भाजपा कार्यालयमे श्री वाजपेयीक जन्मदिन मनाओल गेल। कार्यकत्ता लोकनि एहि अवसरपर पूर्व पीएम द्वारा कएल गेल कार्य सभक चर्च केलनि। सांसद हुक्म नारायण यादव कहलनि जे हुनका कारणेँ पार्टी हर क्षेत्रमे कामयाबी प्राप्त केलक।

सीतामढ़ी : स्थानीय बीजेपी कार्यालयमे जिला अध्यक्ष मनोज कुमारक अध्यक्षतामे पूर्व पीएम श्री वाजपेयीक जन्म दिन मनाओल गेल। मुख्य अतिथि विधायक मोतिलाल प्रसाद एहि अवसरपर वरिष्ठ साहत्यिकार आ भाजपाक वरिष्ठ नेताक जीवनपर प्रकाश देलनि। एहि अवसरपर भाजपाक पूर्व जिलाध्यक्ष उपेन्द्र शुक्ल आ जयन्त प्रसाद सिंह सेहो विचार रखलनि। सभाक सञ्चालन भाजपा नेता श्याम चन्द्र केलनि।

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें