Blogger templates

शुक्रवार, 13 जुलाई 2012

बिहार में दुटा केंद्रीय विश्वविद्यालय क भेट्ल मंजूरी


बिहार में दुटा केंद्रीय विश्वविद्यालय क भेट्ल मंजूरी

नई दिल्ली : बिहार केर  मांग क स्वीकार करैत  मानव संसाधन विकास मंत्रालय  राज्य म दु टा केंद्रीय विश्वविद्यालय स्थापित कर् बाक  निर्णय केलक। अहि मे  एक टा केंद्रीय विश्वविद्यालय मोतिहारी में आ दोसर गया में स्थापित कैल जाओत ।

बिहार म केंद्रीय विश्वविद्यालय केर  स्थान केर मुदा पर पिछले दु वर्ष स मानव संसाधन विकास मंत्रालय आ राज्य सरकार केर बीच गतिरोध चलि रहल छ्ल।

मानव संसाधन विकास मंत्री कपिल सिब्बल  संवाददाता सब स कहलैन, ‘ हम मोतिहारी म केंद्रीय विश्वविद्यालय स्थापित करबाक  मंजूरी प्रदान क दलौ । हम्रा अहि  बात केर खुशी अछी जे कि इ विषय सुलझा लेल गेल अछि ।’ बेहतर आधारभूत संरचना और सम्पर्क मार्ग होबाक  कारण मानव संसाधन विकास मंत्रालय  गया म केंद्रीय विश्वविद्यालय स्थापित कर्बाक  निर्णय केलैन।

गौरतलब ाछी जे  कि बिहार केर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मोतिहारी म केंद्रीय विश्वविद्यालय स्थापित करबाक पर जोर द रहल छ्लाह। इ विषय पिछला दु साल से पत्राचार में उलझ्ल छ्ल .


रोशन कुमर झा

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें