Blogger templates

शुक्रवार, 13 जुलाई 2012

दहेज मुक्त मिथिला - कार्यक्षेत्रमें एक वर्ष


दहेज मुक्त मिथिला - कार्यक्षेत्रमें एक वर्ष

पैछला वर्ष दहेज मुक्त मिथिला माधवेश्वरनाथ महादेव मन्दिर में कुमैर-ब्राह्मण खुवाबैत ईशक शरणमें मिथिला लेल स्वच्छ समाज निर्माण हेतु दहेज मुक्त मथिला के परिकल्पना के एक ईंटा राखैत सौराठ सभा समान गरिमापूर्ण मिथिलाके पौराणिक धरोहर के पुनर्जीवन लेल अपन कार्यक्रम के क्रियान्वयन कयलक। २ जुलाई २०११ ई. मधुबनी में प्रेस कन्फ्रेन्स करैत एक ज्ञापन-पत्र मधुबनी के विकास आयुक्त आ प्रतिलिपि जिलाधीश के दैत सौराठ सभा लेल एक प्रस्तावना रखलक। तदोपरान्त बिहार सँ एकर पंजियन हेतु आवश्यक कदम उठेबाक लेल प्रयास केलक जे अन्ततः असफल रहल। दिल्ली में राष्ट्रीय अधिवेशन लेल कार्यक्रम बनल जे पंजियन आ कार्यकर्ता के कमी के कारण नहि भऽ सकल। एहि संस्था के वेबसाइट निर्माण भेल आ समस्त दहेज मुक्त विवाह करनिहार सऽ अपील कैल गेल जे एहिपर अपन प्रोफाइल राखी जाहिसँ इच्छूक लोक एक-दोसर संग वैवाहिक प्रस्ताव आदि राखि सकैथ। एहिमें बहुत हद तक सफलता सेहो प्राप्त होवय लागल अछि। मिथिलाशादी नामक पेज सँ सेहो एकर संचालन कैल जा रहल अछि। तदापि समयाभाव में सुविधा बहुत लाभकारी भेल अछि से तेहेन नहि अछि। लेकिन प्रयास थिकैक, जारी छैक। आगू आरो नीक हेतैक।

विराटनगर में संकल्प दिवस मैथिली सेवा समिति के संग कैल गेल जेकर दूरगामी असर पड़ल आ आइयो विराटनगर में हरेक समाज बीच एकर चर्चा निरंतरता पबैत अछि। तदोपरान्त दहेज मुक्त मिथिला के उद्देश्य प्रति सजगता प्रदान करबाक लेल गाम-गाम के यात्रा के क्रममें दुर्गा पूजा के छूट्टीके समय उपयोग करैत अलग-अलग गामके लोक सभ केँ जोड़ल गेल। एहि बीच कलकत्तामें ताजा टीवी पर दहेज मुक्त मिथिला के प्रतिनिधित्व करैत साक्षात्कार के प्रस्तुतीकरण करैत कलकत्ता के मैथिल बीच एहि अभियान के प्रादुर्भाव कैल गेल।

फेर विराटनगर में विद्यापति स्मृति पर्व समारोह - २०६८ में दहेज मुक्त मिथिला केर प्रतिबद्धता संग आम जनमानस के परिचित करायल गेल। जनवरी २०१२ में माधवेश्वरनाथ मन्दिर जीर्णोद्धार लेल प्रण लेल गेल आ ८ जनवरी २०१२ के सौराठ सभा विकास समिति संग संयुक्त मिटींग करैत एक कार्यसमिति सेहो बनायल गेल। एहि बीच बिहार सरकार द्वारा माधवेश्वरनाथ मन्दिर के धरोहर मानैत एकर जीर्णोद्धार के जिम्मा लेल गेल। संगहि उपरोक्त मिटींगके सुखद परिणाम ईहो भेल जे सौराठ सभा के नव जान फूकबाक लेल सौराठ गाम में मिथिला पेन्टिंग के संस्थान के निर्माण के मुख्यमंत्री नितीश कुमार जी द्वारा पुष्टि कैल गेल। तेकर बाद फेर अप्रील ३० तारीख सौराठ सभा में जानकी नवमी के आयोजन करैत दहेज मुक्त मिथिला के तरफ सऽ एक सद्भावना संवाद पूरा मिथिला में जाय आ एक बेर फेर लोक एहि सभागाछी के महत्त्व किछु एना बुझैक जे सभामें नहि सिर्फ लोक वैवाहिक अधिकार निर्णय आदि के गप कय सकैत छथि बल्कि प्रवासी मैथिल के मिथिला सँ जोड़ि के राखि सकैत छथि आ संगहि मिथिला के सम-सामयिक समस्या आदिपर सेहो विचार संप्रेषण कय सकैत छथि। एतबा नहि, विद्वत्‌ सभा के मार्फत मिथिला के प्रतिभा वगैर जाति-पातिके बन्धन के सामने आनल जा सकैत छैक आ एहि सँ मिथिला प्रति सभ में एक नव उर्जा के संचरण सेहो कैल जा सकैत छैक। एकर अलावे ईहो सोच के अग्रसर कैल गेल जे सौराठ सभा के जतेक विशिष्टता छैक तेकरा अनलाइन हर शहर आ दूरदराज के क्षेत्रमें उपलब्ध करायल जा सकैत छैक। एहि लेल किछु आवश्यक पूर्वाधार के निर्माण लेल सेहो प्रयास शुरु कैल गेल। शायद अगिला वर्ष सऽ ई सुविधा ईन्टरनेट के माध्यम सऽ उपलब्ध भऽ सकत।

संस्था के पंजियन एक चुनौती बनि ठाड़्ह भऽ गेल एवं कठिन परिस्थितिमें निर्णय लेल गेल जे बिहार सँ एकर पंजियन शायद कहियो संभव नहि भऽ सकत जेकर कारण अनेक छलैक... तखन मजबूरीमें दिल्ली सँ एकर राष्ट्रीय स्वरूप के पंजियन करायल गेल अछि।

सौराठ सभामें हिस्सा नहि लेब एहि सोच के परिस्थितिवश बनबैत पुनः माधवेश्वरनाथ के इच्छा सऽ सहभागिता भेल आ २४ एवं २८ जून २०१२ के दू विशिष्ट कार्यक्रम भेल जेकर दूरगामी प्रभाव अवश्य हेतैक आ सौराठ के पुनर्जीवन में एहि दू विशिष्ट प्रसंग के भूमिका जरुर रहतैक से विश्वास अछि। आगामी समयमें सौराठ सभा लेल ६ विन्दुके प्रस्ताव राखल गेल अछि आ एहि पूर्वमें बनल कार्यसमिति के पुनर्गठन लेल सौराठ सभा विकास समिति सऽ आग्रह कैल गेल अछि।

आगामी समय में एकर योजना अनेको अछि, बस एखन पुरान काज के एक संक्षिप्त समीक्षा लेल ई पोस्ट पढल जाउ। एहि में बहुत किछु छूटले होयत, बढल किछु नहि अछि। ईमानदारी आ कर्मठता के संग एहि अभियान के शनैः शनैः यथार्थ के धरातल पर चलाबयमें समस्त कर्मठ सदस्यके संग अभिभावकवर्ग एवं नेतृत्वकर्ता सभकेँ हार्दिक धन्यवाद आ बेर-बेर नमन।

संस्था संग आबद्ध लिंक सभ:
On Facebook:
https://www.facebook.com/groups/dahejmuktmithila/
https://www.facebook.com/MithilaShaadi
https://www.facebook.com/DMMITHILA
https://www.facebook.com/pages/Fight-Against-Devils-of-Dowries/250613461649922

Official Website:
www.dahejmuktmithila.org

उपरोक्त विवरण के अलावे जिज्ञासू जन गूगल पर सर्च करी ‘दहेज मुक्त मिथिला’ या ‘सौराठ सभागाछी’ आ पढी ओ समस्त विवरण जे अपने लोकनिक ई छोट संस्था यथार्थ में करैत आयल अछि। एहि संस्था के बस एक अपील जे सौ में केवल पाँच गोट किऐक नहि हो - लेकिन ओ सत्य के शपथ लैत छथि जे हम सभ दहेज के व्यवहार नहि करैत छी, नहि करब आ एहेन कुटुम्बवर्ग सेहो नहि अपनायब - बस एहेन ५ फीसद लोक केँ जोड़ैत एक स्वच्छ समाज बनय जेकर नाम हो ‘दहेज मुक्त मिथिला’ - एहि में दहेज लेन-देन करनिहार ऊपर जोर-जबरदस्ती वा जुड़य लेल कोनो तरहक आग्रह पर्यन्त नहि कैल जाइत छैक आ एकर अलावे कमौआ बेटा-बेटी सऽ निवेदन रहैत छैक जे अहाँ जाहि मिथिलाके माइट-पाइन सऽ बनल छी तेकर भाषा आ भूमि के संवर्धनमें अपन योगदान दैत रहियौक जाहि सऽ समृद्धि कतहु हेरायल नहि रहैक। सरकारी उपेक्षा रहितो हम-अहाँ अपन बदौलत अपन गाम के चमका सकैत छी, बना सकैत छी। हमरा लोकनिक जे धरोहर जे लगभग हर गाम में अछि - ओ भले कोनो पोखैर के रूपमें हो, कोनो मन्दिरके रूपमें हो, कोनो हाट या बगीचा के रूपमें हो... चाहे सार्वजनिक हित के कोनो भी रूपमें किऐक नहि हो; एहि पर हम सभ अपन लगानी बाहर सऽ पठबैत अपन-अपन गाम के धरोहर के संरक्षण करी। यैह थीक दहेज मुक्त मिथिला। एकर सदस्यता लेल स्वेच्छा आ स्वपोषण के सिद्धान्त बूझब अत्यन्त जरुरी अछि आ एहि लेल कियो केकरो पर दबाव नहि दऽ सकैत छथि। आ, जरुर समय-समय पर जे काज कैल जाइत छैक एहि में सदस्य अपन लगानी सऽ काज करैत आयल छथि आ करैत रहता।

ॐ तत्सत्‌!

हरिः हरः!
  • दहेज मुक्त मिथिला - मिथिलाके कर्मठ सेवक जे किछु करय लेल प्रतिबद्ध छथि - हिनका लोकनिक एक एहेन पहल थीक जाहिमें अपने लोकनि सदस्यता लैत एहि मूहिम के आगू बढबैत मिथिलाके हरेक गाम सऽ लऽ के संपूर्ण विश्व भरि ...
  • 2,756 members
 ·  ·  · July 9 at 10:14pm
    • Pravin Narayan Choudhary Aadarneey Chakradhar Jha Jee! Apanek dhyanakarshan lel aa Delhi ke duri katek taahi par samikshaa ke lel ehi thread ke up ka rahal chhi.

      Ona ham apan jeevan me samajik gatividhi me bahut kam varsh bitene chhi, vyaktigat anudaan me bahut b...See More
      Tuesday at 4:21pm ·  · 1
    • Pankaj Jha je kiyo DMM ke purn rup sa nai jaanai chhi tinka sa aagarah je aai post je ek ek sabd jarur padhi...aa DMM group ke matra time pass ke jagah nai bujhi....aata ya ta kichhu kari aakarawak pratibadhata jaahir kari...agar sarthak aa DMM awam mithila maithili ke vikashak characha kay kichhu ka sakait chhi ta aaha ke del gel ek ek chhan mahatwapurn manal jaayat nai ta karwadh prarathana je aata apan samay nast nai kari....
      Tuesday at 5:10pm ·  · 1
    • Pravin Narayan Choudhary Pankaj Jha Bhai, Chakradhar Jha Sir ke phone no. achhi? Hinkar sallaah leb DMM lel bahut anivaarya achhi. Delhi ke najadik aanay me e prakhar abhibhaavak sabh seho yadi khaali ek line sarcastic baat baaji ke katahu nukaa jetaa ta ham khoji-khoji ke nikaalab aa kahabain je kahu aab aagu ki kail jaay. Aha ki kahait chhi?

      Harih Harah!!
    • Pankaj Jha bhai sorry humar hisabe jadi vyaktigat rup sa aaha hunka jaanait chhi ta sweng no. maagi sayad jarur deta.....kiyak ki kinko vyaktigat jaankari bina hunak marji sa deb uchit nai
      Tuesday at 5:53pm · Edited ·  · 1
    • Pravin Narayan Choudhary Oh! Ham no. leb bisair gelahu - lekin Sir swayam deta se vishwash achhi. Bha sakait chhaik ekhan off-line bha gel hoith. :) Harih Harah!!
    • Chakradhar Jha praveen ji ham ki kaylahun yau?
    • Pravin Narayan Choudhary Aha Sir! Ahi sa anurodh kene chhi je kichhu sujhaw aa aagaami samay lel maargadarshan karu. Katek ber naam tag karait post kelahu, muda aha ke chuppi sa mon vichlit bha gel chhal. Aab apane aabi gelahu, krupya Delhi ke duri ke ghataba me help karu. Harih Harah!!
    • Chakradhar Jha batkatauli je chali rahal chhaik ,se chaslait rahay diyau, rasta ehi me saon nikaltai delhi ke, banki ham apn mbl.no. massage kay dait chhi. ona karuna ji saon ya kn jha ji saon lay sakait chhalahun , kono baat nahi .
      Tuesday at 6:29pm ·  · 1
    • Chakradhar Jha apnek prashna ke jawab shayad bheti gel hoyat ?
    • Chakradhar Jha banki ekta salah ham dev chahab se ham massage kay dait chhi.
      Tuesday at 6:31pm ·  · 1
    • Pravin Narayan Choudhary Batkatauli?? Apanek batkatauli ke darshan kaylahu lekin saarthak baat ke darshan nahi kelahu?? Dukhad!! :(

      Mobile No. lel saamane Pankaj Jha - Mumbai (apanek kaaryakshetra sa) dekhela ta kahi deliyain... lekin ekar naubat nahi ebaak chaaha...See More
      Tuesday at 6:41pm ·  · 1
    • Pravin Narayan Choudhary Navin Thakur Bhai - ehi post ke Alok Jee ke mail ka del jao aa bahut jaldi hunkar kaaj lel ham final kara deb. Hunka poorn aashwast ka debain je Nepal ke kono FM sa Mithila-Radio Darbhanga ke connect kara lel ham vishwast chhi. Smt.Karuna Jha madam sang seho baat kara ja rahal chhi. Harih Harah!!
      15 hours ago ·  · 1
    • Navin Thakur JI bhaiji ....
      15 hours ago ·  · 1
    • Pravin Narayan Choudhary Bhagwan aha ke khub aashirvaadit raakhaith - e kaaj bahut paigh kaaj hoyat Mithila ke lel. Ehi vindu par ham shighra samachaar prakaashit karab, bas ek ber sabh baat nistuki tay bha jaay. Harih Harah!!
      15 hours ago · 

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें