Blogger templates

मंगलवार, 26 जून 2012

ब्लॉग...साइट पर वीडियो लगाउ आओर खूब कमाउ-1


ब्लॉग...साइट पर वीडियो लगाउ आओर खूब कमाउ-1

अहां सभ ब्लॉग सं जुड़ल छी... लेख, कविता, कहानी लिखय छी...गाना, फोटो आ वीडियो डालय छी. मुदा एहि सं अहां के एको टका कमाई नहि होएत अछि. आई हम अहां के बताबए जा रहल छी जे अहां अपन ब्लॉग से लाखों रुपया कमाई क सकय छी.

ब्लॉग से हजारों-लाखों रुपया कमाए करनाए कोनो पैघ गप
नहि अछि. बस अहां के एहि मे जुटल रहय पड़त आओर किछ तरीका अपनाबय पड़त.

अहां सभ के पास कैमरा वाला मोबाइल फोन होएत...डिजिटल कैमरा होएत. अहां सभ एहि सं फोटो-वीडियो लैत होएब. एकरा अहां फेसबुक...ट्विटर...ऑर्कुट जकां दोसर सोशल नेटवर्किंग साइट पर डालैत सेहो होएब. मुदा अहां के एहि सभ सं एकोटा पाई नहि मिलैत होएत.

आब ओ बात नहि... आब अहां अपन खींचल एहि वीडियो से कमाई करि सकैत छी.

एहि के लेल कइटा तरीका अछि. सभ सं लोकप्रिय तरीका अछि गूगल यूट्यूब के. यूट्यूब पर तं अहां सभ जरूर गेल होएब. एहि पर दुनिया भर के वीडियो रहैत अछि. एहि पर लोक सभ अपन-अपन वीडियो डालैत छथिन्ह.
एहि मे लोक सभ अपन गाना, तीर्थयात्रा, पूजापाठ सं लsक शादी-विवाह तक के फोटो डालए छथिन्ह. अहां सेहो कइटा वीडियो एहिपर अपलोड कएने होएब. मुदा अहां अखन धरि एहि सं कमाई नहि कएने होएब.

कमाई करय के लेल सभ सं जरूरी यूट्यूब पर अहां के अपन सही अकाउंट होबाक चाही. अगर नहि अछि तं गूगल जीमेल सं यूट्यूब पर रजिस्टर करि एकटा खाता खोलि लिअ.

एहिके बाद एकर पार्टनर वाला सेगमेंट मे जाsक एकर पार्टनर बनि जाउ. पार्टनर बनए लेल एहि लिंक के क्लिक करु    http://www.youtube.com/partners

पार्टनर बनि गेलाह पर अहांक वीडियो जतेक लोक देखताह ओहि के हिसाब सं कमीशन गूगल यूट्यूब अहां के देत.

बेसि पाई कमाई लेल अहां के जल्दी-जल्दी नीक क्लाविटी के वीडियो अपलोड करय पड़त. जतेक नीक क्वालिटी...एचडी क्वालिटी के वीडियो होएत ओतेक नीक रहत.

कमाई बेसि भेलाह पर अहां सभ किछ छोड़ि सिर्फ एहि काज सं नीक पाई कमा सकय छी.

मुदा एकटा चीज ध्यान राखब ओ वीडियो अहां के अपन होबाक चाही. ओहि के बैकग्राउंड मे ओहन कोनो फिल्म के गाना नहि सुनाय पड़य जकर कॉपीराइट अहां के पास नहि अछि.

अगर अहांक वीडियों के स्टैंडर्ड गूगल यूट्यूब के जकां नहि अछि तं ओ अहां के खाता स्वीकार नहि करत. एहि लेल नीक क्वालिटी के वीडियो अपलोड करय के कोशिश करब.

कई बेर लोक सभ कोनो प्रोग्राम के वीडियो लोड करि ओहि सं कमाए करय चाहय छथिन्ह मुदा ओहि कार्यक्रम के कइटा गाना फिल्मी आ कोनो ऑडियो...म्यूजिक कंपनी के अधिकार में होएत अछि. ओहि पर दोसर लोक के कॉपीराइट रहैत अछि. एकरा ध्यान पर राखब. एहि गाना वाला वीडियो के ओ अपने आप बैन करि दैत.

अहां एहि के लेल शादी-विवाह... मुंडन... कोजगरा... सभागाछी...दुर्गा पूजा... इंद्र पूजा किछओ के वीडियो डालि सकय छी. पोखर सं माछ मारैत...मखान निकालैत जे चाही से वीडियो डालि सकय छी.

जेहि वीडियो मे अहां के लागय जे ओ अहां के अपन ऑरिजनल नहि अछि ओहि मे अहां मॉनिटाइजिंग बटन क्लिक नहि करब. ओ ओहिना राखब.

जखन यूट्यूब पर वीडियो अपलोड करल भ जाए तं ओहि वीडियो के लिंक के अहां अपन फेसबुक... ट्विटर... ऑर्कुट आओर दोसर नेटवर्किंग साइट पर डालैत रहुं. लोक सभ के देखाबैत रहुं.

आओर हां अहां अपन ओहि यूट्यूब वीडियो के अपन ब्लॉग...साइट पर पोस्ट करनाय नहि भूलब.

अपन प्रोफाइल पेज पर ओहि वीडियो के जिक्र करु. अपन दोस्त सभ के ओकरा देखय आओर ओहि पर अपन विचार देबय लेल कहिऔ. जतेक लोक देखता ओतेक टका मिलत.

आई के लेल ई काफी अछि... दोसर दिन आओर दोसर ठाम वीडियो डालय आ फेर ओकर वीडियो अपन ब्लॉग साइट पर डालि पाई कमाई के गप पर चर्चा करब.

अहां अपन कमेंट...विचार...राय कमेंट के क्लिक करि द सकैत छी. किछ पूछय के होए तं पूछि सकैत छी. धन्यवाद.

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें