Blogger templates

गुरुवार, 24 मई 2012

शिशु प्रार्थना :-

शिशु प्रार्थना :-

हम बालवृन्द अहाँ बालेश्वर हम ठाढ़ छी एक नेहोरा मे 
जौँ मनुखक तन पुनि दी हमरा जनमी मा मिथिले कोरा मे ।
जकरा धूरामे अमर तत्व पाथरकेँ जीवन दान करय
निज हरबाहक श्रम स्वेद देखि धरती सीता प्रतिदान करय
तइ जननी पद अनुराग बढ़य वर चाही एतबहि झोड़ामे ।.....जौँ मनुखक तन....
बलमे महान सब गुण निधान कार्तिक गणपति भइया हमरे
जे कोरहिमे शिशु शंकरकेँ पंडित बनब मइया हमरे
नहि एहन माय आ भाय कतहु हमरा भेटत चहुँ ओरामे ।...जौँ मनुखक तन..
अछि धन्य भाग पूरल हमरा जनु जनम जनम केर अभिलाषा
निश्चय माइक दूधहि सन प्रिय मधुरहु सँ मधुर हमर भाषा
निज भू भाषा सिर पाग अमर अनुरक्त 'चन्द्रमणि' तोरामे.।
हम बालवृन्द अहाँ.बालेश्वर हम ठाढ़ छी एक नेहोरामे
जौँ मनुखक तन पुनि दी हमरा जनमी मा मिथिले कोरामे ।।

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें