Blogger templates

शुक्रवार, 4 मई 2012

प्रसव केर पीरा पुरुख की जानै


प्रसव केर पीरा पुरुख की जानै
इ त केवल नारी जानैयाई
तखन किअक अहि जग मे नारी 
बेटा बेटी मे फरक करैयाई .

वंश चलेबा खातिर जग मे 
बेटा केर सब राह ताकैयाई 
मुदा बेटी स एक वंश नहि 
दुटा कूल केर वंश चलैयाई .

पैघ भ  जखन बेटा जग मे 
माई  बाप केर मारै पिटैयाई
तखन किअक ओ मातु-पिता 
पुनः बेटी केर आश धरैयाई  .


  


0 comments:

एक टिप्पणी भेजें