Blogger templates

मंगलवार, 8 मई 2012

दाम

मिथिलाक गाम घर :

दाम 

किताब केर दूकान देखैत देरी अविनाश के किताबक भूख जागी गेल . कतेको महिना स ओ निक किताब ताकि रहल छल . अप्पन पसंदक लेखक केर किताब दूकान केर काउंटर पर राखाल देखलक . सुंदर आवरण , बढ़िया कलेवर आ मनो अनुकूल किताबक सामग्री .... किताब क पन्ना उलट्टी पुलाट्टी खुस होमय लागल . " यौ बाबू ठाढ़े ठाढ़ पूरा किताब पढ़ी लेब की ? " किताब बाला टोंकलकैन....... अचानक अविनाश केर नज़र किताब केर छपल दाम पर परल . " ३७० " रुपैया मात्र , मन उचैट गेलैन . किताब केर चुप चाप काउंटर पर राखी देलैन . आ २ रुपैया वाला अखबार किनी अप्पन घर दिश बिदा भ गेला .

रोशन कुमार झा

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें