Blogger templates

गुरुवार, 17 मई 2012

जिनका मानलहु अंहा भगवान मददी मंगला पर भेला अकान .

मिथिलाक गाम घर 

जिनका मानलहु अंहा भगवान
मददी मंगला पर भेला अकान .

सब दिन राखै हमर ओ धियान 
आई किया बनी गेल ऐना हैवान .

कतेको वयस स छल पहचान 
आई किअक ओ बनी गेला अंजान .

सब दिन कैले हमर सम्मान
आई किअक करलक अपमान .

आगू राखब अहू सब धियान
नहीं करबैन किनको अपमान .

बिप्पती मे होई छै किनको पहचान
"रोशन" मनुख छि नहीं छि भगवान .

रोशन कुमार झा

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें