Blogger templates

गुरुवार, 12 अप्रैल 2012

माँ जानकी केर चेतावनी

मिथिलाक गाम घर   :
माँ जानकी केर चेतावनी 

बेटी विवाह मे दहेज़ जुनी दियौ  हे ,
बेटा विवाह मे जुनी लीये हे .

सुनु , सुनु ,सुनु  मिथिला केर वासी हे ,
मैथिलि कानि के कहैय य यौ .

 कहबा लेल सब कियो , बहिन कहै छि हमरा  ,
कोख मे किअक मारे छि यौ ?

जाऊ मिथिला वासी नहीं चेतब ,
मिथिला के हम तजि जायब .

फेर कहियो घुरी के नैहर नहीं आयब ,
सासुर मे दिवस गमैब यौ .

*रोशन कुमार झा * 





1 comments: