Blogger templates

रविवार, 29 अप्रैल 2012

मिथिलानी सीता नवमी अर्थात सीता माएक जन्म दिवस





मिथिलानी सीता नवमी अर्थात सीता माएक जन्म दिवस


सीता माएक जन्म भारतक पावन भूमि मिथिलाक आँगन सीतामढीमे भेल ।

वैशाख मासमे शुक्ल पक्षक नवमीकेँ दिन सीता नवमी सभ साल मनाएल जाएत अछि । धर्म ग्रंथक अनुसार 

एहि दिन माए सीता का प्रगट भेल छलीह । मिथिलामे एहि पवनिकेँ

जानकी नवमी सेहो कहल जाएत अछि । एहिबेर ई

पवनि 30 अप्रैल सोमवारकेँ अछि । शास्त्रक

अनुसार वैशाख मासक शुक्ल पक्षक नवमीकेँ दिन पुष्य नक्षत्रमे जखन

महाराज जनक संतान प्राप्तिक कामनासँ

यज्ञ-भूमि तैयार करैक हेतु हरसँ भूमि जोतए छलाह, ताहि काल पृथ्वीसँ एक

बालिका शिशु प्रगट भेलीह । जोतल भूमि आ हरक नोककेँ सीता कहल जाएत

अछि , तेँ प्रगट भेल बालिकाक नाम

सीता रखल गल। ई तिथ वैष्णव संप्रदाय भक्त लोकनि संग सभ मैथिल लेल पावन हेबाक कारणेँ जगत
 
जननी सीता माएक व्रत ओ विधि-विधानसँ पूजा करैए छथि । एहेन कहल जाएत अछि जे एहि दिन व्रत 

रखलासँ आ पूजा केलासँ श्रीराम राम सहित पृथ्वी दान केलाक फल आ सोलह महत्वपूर्ण दानक फल सेहो 

भेट जाएत अछि । अत: सीता माएक नवमी अर्थात जन्म दिवस पर व्रत जरूर राखक चाही ।

मिथिलानी सीता मैया की जाय










0 comments:

एक टिप्पणी भेजें