Blogger templates

बुधवार, 18 अप्रैल 2012

मिथिलाक पाग


मित्र-बंधु-सखा-श्रेष्ठ समस्त मैथिल सँ हार्दिक अपील!

मिथिलाक पाग अछि खतरा में
खुरापाती धियापुता के कारण!
चर्चा बहुत जरुरी करी मिलि
हम सभ मिथिला के पोषण!

पाग याने माथ के मुकुट - अपन इज्जत - अपन स्वाभिमान - अपन शान - अपन मान - अपन पहचान - मिथिला के जान!

उपद्रवी तत्त्व सभ जातीयता के खेल करैत मिथिला के एहि सर्वश्रेष्ठ मुकुटमणि पर पर्यन्त फेकि रहल अछि थाल। हम ताहि लेल अनुरोध करैत छी जे समस्त मिथिला के लोक, एतय तक जे पाग प्रति स्वयं सन्देह में रहैत अनका सन्देह स्थापित करैक दुष्प्रयास केनिहार के सेहो एहि विचार गोष्ठीमें सम्मानपूर्वक आमंत्रित करैत छी - आउ आ मिलि के एहि विषय पर प्रत्यक्ष समाज के राय जानी। एहि में समस्त मिथिलांचल के लोक सहभागी बनी। दहेज मुक्त मिथिला एवं सौराठ सभा विकास समिति जे प्रस्तावित ‘जानकी नवमी’ ३० अप्रील के सौराठ सभा में करय लेल जा रहल अछि, ताहि में एक गोष्ठी के सेहो विचार अछि। एहि गोष्ठीमें हम सभ प्रयास कय रहल छी अपन व्यस्त समय सऽ कनेकबो काल लेल महामहोपाध्याय पंडित ताराकान्त बाबु सेहो अपन किछु आशीर्वचन हमरा सभ के लेल दैथ। हलाँकि हुनकर कार्यक्रम लेल जे जानकारी भेटल अछि ताहि अनुसारे ओ गाम आबि रहल छथि आ एहि में सेहो हमरा सभके दर्शन देबाक कार्यक्रम रखलाह छथि। हम सभ बेनीपट्टीके पास हुनकर गाम सेहो जायब, एक जुलूस के रूपमें आ हुनकर उत्साहवर्धन करब जे कतबो केओ केम्हरो केहनो तोड़य के चेष्टा करत, हुनका समान कर्मठ नेता फेर दोसर एहि पृथ्वी पर आइ मिथिला लेल नहि अछि आ हुनकहि एक बेर फेर मिथिला के अग्रगामी निकास लेल आगू बागडोर थामय पड़तैन। हम समस्त मिथिलावासी अपन बुजुर्ग आ सर्वश्रेष्ठ नेता के संग देबाक लेल एक प्रतिनिधि मंडल भेटय जायब।

एजेन्डा:

विचार गोष्ठी लेल विषय:
१. मिथिला के पाग याने श्रेष्ठता के लाज कोना रहत
२. सौराठ सभा २०१२ - समारोह के स्वरूप केहेन
३. मिथिला राज्य लेल नेतृत्वकर्ता के वर्तमान स्वरूप आ आगामी सुधार लेल सुझाव संकलन
४. मिथिला क्षेत्र के समग्र विकास लेल समाजिक कार्यकर्ता के सक्रिय सहभागिता कोना बढत
५. मिथिला के पौराणिक सौहार्द्रता आ आजुक परिवेशमें जातीय-सांप्रदायिकता के प्रभाव पर चर्चा

समीक्षा: श्री श्री १०८ श्री माधवेश्वरनाथ महादेव मन्दिर जे सम्माननीय सभापति (बिहार विधान परिषद्‌) पंडित श्री ताराकान्त झा केर अथक प्रयास सऽ कला-संस्कृति विभाग अन्तर्गत हेरिटेज के रूपमें चिह्नित भेल अछि तेकर जीर्णोद्धार के वर्तमान अबस्था के समीक्षा - आदरणीय श्री निलाम्बर मिश्र - रहिका एवं डा. शेखर चन्द्र मिश्र सौराठ द्वारा।

विशेष अतिथि आ प्रमुख अतिथि के निर्धारण आदरणीय डा. शेखर च. मिश्र संग वार्ता कयला उपरान्त आ कार्यक्रम के विस्तृत तालिका सेहो बादमें दोसर पोस्ट द्वारा सूचित करब।

एक अत्यन्त जरुरी विषय जे मिथिला में दहेज के प्रकोप पर नियंत्रण लेल हर बेटी लेल रोजगार के गारंटी के विषय पर विशाल हस्ताक्षर अभियान के शुरुआत पं. ताराकान्त झा एवं अन्य वरिष्ठ व्यक्तित्व सँ करैत आगाँ हर गाम में लऽ जाय के कार्य जरुर कैल जायत।

हरिः हरः!
   हम पाग छी   सम्मानक प्रतीक लाल, पीयर, उज्जरि अहि हमर कयकटा रंग हम पाग छी मिथिला संस्कृतिक प्रतीक !   हम व्यथित छी...

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें